रांची( झारखण्ड): पीएमएलए कोर्ट पूर्व मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन सँ जुड़ल जमीन घोटाला मामला मे गिरफ्तार झामुमो नेता अंतू तिर्की सहित चारि गोटे कs रिमांड ईडी क’ सौंप देलक अछि। कोर्ट ईडी केँ पांच दिन क’ रिमांड द’ देलक अछि। हिनका लोक पर आरोप अछि जे ओ बडगाई केँ 8.86 एकड़ जमीन क’ गैरकानूनी तरीका सँ गैर आदिवासी केँ बेच देलनि। कोर्ट फेर हुनका अगिला सुनवाई तक जेल भेज देलक। एकर बाद आइ वृहस्पति दिन क’ कोर्ट सबटा आरोपी केँ पांच दिन क’ लेल ईडी रिमांड पर पठा देलक अछि। ईडी एखन धरि एहि मामला मे 8 गोटे केँ गिरफ्तार क’ चुकल अछि। गिरफ्तार भेल लोक मे पूर्व मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन, भानु प्रताप प्रसाद, अधिकारी अली, अंटू तिर्के, ठेकेदार बिपिन सिंह, जमीन व्यवसायी प्रियरंजन सहाय, इरशाद, मोहम्मद सद्दाम शामिल छथि।
पीएमएलए कोर्ट झामुमो नेता अंतू तिर्की सहित चारि गोटे केँ ईडी रिमांड पर पठा देलक, आब होयत पूछताछ
-

