लहरि रूम : वर्ष 2023 केँ संस्कृत ओलम्पियाड झारखण्ड केँ बोकारो जिला केँ सेक्टर – 4 स्थित दिल्ली पब्लिक स्कूल (DPS -BOKARO) मे आयोजित छल।‘ओलंपियाड’ एक प्रकार केँ प्रतिस्पर्धी परीक्षा अछि जे स्कूल मे आयोजित करल जायत अछि जेकरा मे सर्वश्रेष्ठ क्षमता, प्रतिभा, योग्यता आओर बुद्धि वाला असाधारण छात्र केँ चयन कयल जाइत अछि । दिल्ली पब्लिक स्कूल अनेको छात्र अलग- अलग विद्यालय केँ भाग लेने छला। परीक्षा उपरांत अमोघ आनंद झा (कक्षा – 10 – सीबीएसई – डीपीएस बोकारो केँ छात्र) केँ इंटरनेशनल रैंक – 1 प्राप्त भेलनि। चि. अमोघ, डॉ० निरुपमा झा एवं श्री सुनील आनंद झा केँ पुत्र छथि। मूलतः अमोघ आनंद झा मधुबनी जिला केँ रांटी ग्राम केँ रहय वला छथि। हिनक माता डॉ० निरुपमा झा केँ राष्ट्रीय शिक्षक पुरस्कार 2020 हेतु राष्ट्रपति द्वारा सम्मानित कयल गेल छनि। जतय संस्कृत विषय केँ प्रति अजुका पीढ़ी केँ लगाव कम देखल जा रहल अछि ओहि ठाम चि. अमोघ केँ एहि तरहक उपलब्धि देख गाम, समाज आ संगहि सम्पूर्ण देश गौरवान्वित होइत अछि। चि. अमोघ केँ एहि उपलब्धि पर समस्त लहरि परिवार केँ तरफ सँ बधाई आओर उज्जवल भविष्य केँ कामना।
Trending Now
