रांची : रांची नगर निगम क्षेत्र केँ चुनाव नहि होयबाक कारण सँ निगम क्षेत्र केँ स्थिति बद सँ बदत्तर भेल जा रहल अछि। सम्पूर्ण रांची नगर नगम मे कचड़ा उठाओ केँ व्यवस्था सेहो चरमरा गेल अछि। किछु दिन पहिने 2 सँ 3 दिन पर कचड़ा उठाओल जायत छल मुदा आब सातो दिन पर उठि जाई त’ बहुत अछि। पहिने मच्छर केँ प्रकोप सँ बचबाक हेतु कखनो – कखनो छिड़काव होइत छल, आब ओहि तरफ ध्यान आकृष्ट करबै वला कयो गोटा नहि छथि। अप्रैल माह केँ मध्य आबैत – आबैत रांची केँ क्षेत्र हरमू , अरगोड़ा ,किशोरगंज, चुटिया ,वर्धमान कंपाउंड ,रातू रोड जेहन क्षेत्र मे गरमी केँ प्रकोप सँ जल संकट उत्पन्न होइत अछि। एहि कारण जल संकट केँ दूर करबाक लेल जगह – जगह निगम द्वारा डीप बोरिंग कराओल गेल छल। मुदा वार्ड मे निगम केँ प्रतिनिधि नहि होयबाक कारण सँ किछु डीप बोरिंग मेन्टन्न्स् होयबाक कारण सँ सूखा गेल अछि आओर किछु टूटल भाँगल परल अछि। अखन लोकसभा 2024 केँ चुनावक पाछा सत्ताधारी झारखण्ड सरकार सेहो व्यस्त अछि आओर केंद्र सरकार केँ प्रतिनिधि सांसद स्वतः ओहि मे व्यस्त छथि। पार्षद छथि नहि , स्थानीय विधायक चुकी झारखण्ड केँ सत्ताधारी पार्टी केँ नहि छथि त’ ओ कहैत छथि जे निगम मे हुनक सुनय वला कयो नहि छथि। झारखण्ड हाई कोर्ट आगामी निगम चुनाव केँ याचिका पर किछु सुनवाई त’ केने अछि लेकिन कोनो ठोस निर्णय पर नहि पहुँचल अछि। आगामी गरमी भगवान भरोसे काटय परतनि आम जनता केँ।
Trending Now
