spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिपटना केँ पाल होटल आगि लगला सँ भेल धुआँ -धुआँ : तीन...

पटना केँ पाल होटल आगि लगला सँ भेल धुआँ -धुआँ : तीन गोटे केँ भेलनि मृत्यु

-

पटना (बिहार ): राजधानी पटना केँ जंक्शन केँ ठीक सामने स्थित बहुमंजिला पाल होटल मे आई वृहस्पति दिन केँ भोर मे भीषण आगि लागल। भोरे करीब साढ़े दस बजे आगि लगबाक सूचना भेटल आ करीब आधा घंटाक भीतर पूरा भवन आगि आ धुआं सँ भरि गेल। होटल सँ सटल भवन मे सेहो आगि पहुंचल आ दुनू भवन सँ केवल आगि आ धुआं देखबा मे आबि रहल छल। सटल पटना किरणा मे सेहो आगि लगबाक खतरा अछि। एहि आगि केँ सामने फायर ब्रिगेड केँ व्यवस्था कमजोर साबित भ’ रहल अछि। भवन केँ सामने स्थित पुल पर भारी जाम अछि आओर स्टेशन केँ सड़क सेहो पूरा तरह सँ जाम अछि। एतय आगि लगला केँ करीब डेढ़ घंटा बाद एकटा व्यक्ति केँ लाश निकालल गेल। आधा घंटाक बाद दू टा लड़कीक लाश निकालल गेल। एखन धरि कुल तीन गोटेक मृत्यु भ’ चुकल अछि। चारि गोटे बुरी तरहे जरि गेल छथि। हुनका पीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts