उत्तर प्रदेश : लखनऊ लोकसभा सीट सँ राजनाथ सिंह आई सोमदिन 29 तारीख क’ अपन नामांकन आगामी लोकसभा चुनाव 2024 हेतु भाजपा केँ प्रत्याशी स्वरूप दाखिल कयलनि । 2014 आओर 2019 मे प्रचंड बहुमत केँ संग ई सीट जीती चुकल छथि । हुनका लगातार तेसर बेर लखनऊ लोकसभा सीट सँ भारतीय जनता पार्टी द्वारा प्रत्याशी बनाओल गेल छनि। नामांकन केँ अवसर पर उत्तर प्रदेश केँ मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ, उत्तराखंड केँ मुख्यमंत्री पुष्कर सिंह धामी, उपमुख्यमंत्री ब्रजेश पाठक, उपमुख्यमंत्री केशव प्रसाद मौर्य सहित बहुत रास नेता हुनका संग मौजूद छलाह।
Trending Now
रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह लखनऊ लोकसभा सीट भाजपा केँ प्रत्याशी बनि नामांकन कयलनि
-

