spot_img
Wednesday, August 5, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिप्रारम्भ भेल राजनीतिज्ञ लोकनिक आगमन ,साझा होमय लागल छात्रक आंदोलक मंच -...

प्रारम्भ भेल राजनीतिज्ञ लोकनिक आगमन ,साझा होमय लागल छात्रक आंदोलक मंच – सोनम वांगचुक कें रांची आगमन पर चर्चा तेज

-

लहरि रूम (रांची): झारखंड के राजधानी रांची में जारी छात्र विरोध के बीच हेमंत सोरेन सरकार एकटा महत्वपूर्ण फैसला लेलक अछि। मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन प्रदर्शनकारी सँ बातचीत करबा लेल चारि सदस्यीय समिति बनेबाक घोषणा केलथि अछि। एहि समिति मे झारखंड मंत्रिमंडल क चारिटा मंत्री शामिल हेताह।

एहि चारि सदस्यीय समिति मे केकरा शामिल कयल जायत?
सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे एहि समिति मे राज्य केँ उच्च शिक्षा मंत्री सुदिव्य कुमार सोनू, ग्रामीण विकास मंत्री दीपिका पांडेय सिंह, समाज कल्याण मंत्री चमरा लिंडा आओर श्रम मंत्री संजय प्रसाद यादव सम्मलित भ’ सकैत छथि। एहि सँ पूर्व सरकार छात्र सब सँ बातचीत करय लेल कानून व्यवस्था के अनुमंडल मजिस्ट्रेट (एसडीओ) आओर अपर जिला मजिस्ट्रेट (एडीएम) के भेजने छल। विरोध करय वाला छात्र के तीन-चारि टा प्रमुख मांग अछि।

सरकारक द्वार खुजल अछि,छात्र अपन मांग अछि आओर अपन विचार राखि सकैत छथि :हेमंत सोरेन
आई सँ 24 घंटा के पूर्व सीएम हेमंत सोरेन छात्र आंदोलन पर एकटा अपन बयान जारी केने छला। जाहि मे मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन कहलनि जे “छात्रक समस्या राष्ट्रीय संकट बनि रहल अछि। हमर सरकार एहि स्थिति पर नजरि राखि रहल अछि। हम सब कंक्रीट रिजल्ट ल’ क’ उपस्थित होयब । सरकारक दरबज्जा सबहक लेल खुजल अछि, आ जे मांग छात्र सबके छनि ओ अपन विचार राखि सकैत छथि ।”

मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन के कहनाय छनि जे सरकार छात्र के चिंता पर गंभीरता सँ विचार क’ रहल अछि। जेपीएससी मामलाक जांच चलि रहल अछि। ओ कहलनि जे, सरकार एहि संकट के दूर करय लेल सब आवश्यक कदम उठाओत। आइ ओ राज्यपाल सँ सेहो भेंट क’ एहि मुद्दा पर चर्चा केलनि अछि।

प्रारम्भ भेल राजनीतिज्ञ लोकनिक आगमन ,साझा होमय लागल छात्रक आंदोलक मंच – सोनम वांगचुक कें रांची आगमन पर चर्चा तेज
झारखण्ड केर राजधानी रांची केँ जयपाल सिंह स्टेडियम मे 12 दिन सँ अनवरत छात्र लोकनिक आंदोलन चलि रहल अछि। जेपीएससी आ जेएसएससी के भर्ती परीक्षा में कथित गड़बड़ी के विरोध मे छात्र सभहक प्रदर्शन चलि रहल अछि। एहि आंदोलन के नेतृत्व करय वाला छात्र नेता देवेंद्र नाथ महतो के अनशन के बीच लद्दाख के प्रख्यात पर्यावरणविद आ समाजसेवी सोनम वांगचुक के प्रवेश भेलनि अछि। वीडियो कॉल केर माध्यम सँ बातचीत मे सोनम वांगचुक देवेंद्र के बिगड़ैत स्वास्थ्य पर चिंता व्यक्त करैत हुनका नून-पाइन लेबय लेल मना लेलनि अछि। एहि दौरान देवेन्द्र नाथ महतो सोनम वांगचुक सँ भावुक आग्रह केलनि जे ओ रांची आबि दिल्ली मे जंतर-मंतर केर तर्ज पर छात्र आन्दोलन कें समर्थन करथि। दोसर तरफ आजुक दिन झारखण्ड विधानसभा केर नेता प्रतिपक्ष बाबू लाल मरांडी अपन भारतीय जनता पार्टी केर खेमा संग एहि आंदोलन मे पहुँचला जाहि मे रांची विधायक सी पी सिंह भानु प्रताप शाही, अमर बाउरी संग रांची जिला केर महानगर अध्यक्ष वरुण साहू संग अनेको लोग उपस्थित छला। विधायक जयराम महतों सेहो उपस्थित छला।

दिल्ली मे छात्र मुद्दा पर मुखर कांग्रेस झारखंड मे किएक चुप अछि?: आदित्य साहू
एहि सँ पूर्व झारखंड भाजपा अध्यक्ष आओर राज्यसभा सांसद आदित्य साहू सेहो आई विरोध प्रदर्शन करय वाला छात्र सभ सँ भेंट केलनि। बैसार केर उपरांत पत्रकार सब सँ बात करैत साहू कहलनि जे, 2019 सँ झारखंड मे आयोजित प्रतियोगी परीक्षा पर लगातार प्रश्न उठैत रहल अछि। कथित पेपर लीक आ भर्ती घोटाला सँ परेशान छात्र रांची मे विरोध क’ रहल छथि। मुदा, विरोध नहि करय देल जा रहल अछि, पंडाल लगेबा सँ रोकल जा रहल अछि, बिजली कटल जा रहल अछि, आओर छात्र भारी बरखा के दौरान सेहो खुला आसमान के नीचा विरोध करय लेल मजबूर छथि।

भाजपा सांसद कहला जे सँ पैघ प्रश्न कांग्रेस कें संग अछि। दिल्ली मे छात्र मुद्दा पर मुखर कांग्रेस झारखंड मे छात्र मुद्दा पर किएक चुप अछि? अगर कांग्रेस सही मायने मे छात्र के संग अछि त राहुल गांधी के झारखंड आबि हुनका लेल अपन बात राखय के चाही।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts