spot_img
Tuesday, May 5, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबंगाल मे सालों सँ बंद दुर्गा मंदिर भाजपा केँ विजय केर बाद...

बंगाल मे सालों सँ बंद दुर्गा मंदिर भाजपा केँ विजय केर बाद फेर सँ श्रद्धालु सब लेल खुलल !

-

लहरि रूम (रांची) : पश्चिम बंगाल मे भाजपा के अप्रत्याशित विजय के उपरांत पश्चिम बर्धामन जिला के आसनसोल उत्तर मे एकटा दुर्गा मंदिर केर द्वार श्रद्धालु लोकनि लेल सालो भरि लेल खोलल गेल। आसनसोल उत्तर संग पश्चिम बर्धामन जिला के सब सीट पर भाजपा विजय प्राप्त केलक अछि। चुनाव परिणाम के बाद मंदिर के कपाट खुलला पर श्रद्धालु लोकनि जश्न मनौलनि अछि।

मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे पश्चिम बंगाल मे भाजपा कें ऐतिहासिक जीतक बाद सालों सँ बंद आसनसोल केँ एकटा दुर्गा मंदिर केँ स्थायी रूप सँ खोलल गेल अछि। पश्चिम बर्धामन के सब सीट जीतला के बाद भाजपा ई फैसला लेलक। चुनावी वादा पूरा करैत कृष्णेन्दु मुखर्जी एहि मंदिर कें सालों भरि खोलबाक हेतु पहल कयलनि , जाहि सँ स्थानीय लोक सभ मे खुशी कें लहरि उठल। मुखर्जी एहि विधानसभा चुनाव मे मे टीएमसी कें मोलोय घटक पराजित कयलनि संगहि 1,04,516 वोट हासिल केलथि। एहि सीट पर भाजपा क इ पहिल जीत अछि । टीएमसी एहि सीट पर 2011 सँ अपन कब्ज़ा जमेने छल, एहि सँ पहिने कल्याण बनर्जी 2001 मे एहि सीट सँ टीएमसी केँ उम्मीदवार क रूप मे चुनल गेल छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts