spot_img
Friday, May 29, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभारतीय जनता पार्टी, बिहार प्रदेश नव इकाई केर गठन मे उपाध्यक्ष हरिभूषण...

भारतीय जनता पार्टी, बिहार प्रदेश नव इकाई केर गठन मे उपाध्यक्ष हरिभूषण ठाकुर बचौल (पूर्व विधायक) , राजेश झा उर्फ राजू झा – महामंत्री आ सिमा झा कें प्रदेश महामंत्री बनाओल गेल।

-

लहरि रूम (रांची) : दिल्ली सँ बिहार केर मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी शुक्रदिन सांझ मे पटना वापस आबि गेलाह। हुनक वापसी के बाद भारतीय जनता पार्टी द्वारा प्रदेश इकाई के अंदर संगठन मे फेर बदल कयल गेल अछि । भाजपा बिहार राज्य संगठन लेल नव पदाधिकारी सभहक़ घोषणा केलक अछि । भाजपा पूर्व विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल सहित 14 नेता केँ प्रदेश उपाध्यक्ष नियुक्त कैल गेल अछि।

हरिभूषण ठाकुर बचौल (पूर्व विधायक सहित 14 गोटे के राज्य उपाध्यक्ष बनाओल गेल !
पार्टी के राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन नवीन के निर्देश के पालन करैत बिहार भाजपा एकटा सूची जारी केलक अछि जाहि मे राज्य के उपाध्यक्ष, प्रदेश महामंत्री, प्रदेश मंत्री, कोषाध्यक्ष, आ विभिन्न मोर्चा के अध्यक्ष के नाम के घोषणा कएल गेल अछि। प्रदेश उपाध्यक्ष के रूप मे नियुक्त 14 नेता मे पूर्व विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल, राकेश कुमार, संतोष पाठक, मनोज कुमार सिंह, अनामिका पासवान, शोभा सिंह, पवन जायसवाल, प्रणव कुमार यादव, संतोष रंजन राय, नंद प्रसाद चौहान, अनिल ठाकुर, मुकेश शर्मा, शीला कुशवाहा, आ बलराम मंडल केर नाम अछि छथि ।

पांच गोटे केँ प्रदेश महामंत्रीनियुक्ति केलक अछि
भाजपा पांचटा नेता केँ प्रदेश महामंत्री नियुक्त केलक अछि। पार्टी सरोज रंजन पटेल, धनराज शर्मा, प्रीति शेखर, नितिन अभिषेक, आ राजेश झा उर्फ ​​राजू झा केर प्रदेश महामंत्री नियुक्त केलक अछि।

5 महिला सहित 14 गोटे केँ प्रदेश मंत्री बनाओल गेल
बिहार भाजपा 5 महिला सहित 14 पार्टी सदस्य लोकनि केँ प्रदेश मंत्री नियुक्त केलक अछि। भारतीय जनता पार्टी बिहार प्रदेश द्वारा प्रदेश मंत्री बनाओल गेल पांच महिला मे सुषमा साहू, रागिनी रानी, ​​अंजनी निषाद, सीमा झा, आ सरला रजक सम्मलित छथि। जन्मेजय कुमार सिंह, कुमार राघवेन्द्र, प्रभाकर मिश्र, मनोज चौधरी, मुकेश सिंह कुशवाहा, सुनील राम, संजय कुमार मुन्ना, मुजफ्फरपुर सँ मुकेश शर्मा आ दिवाकर सिंह केँ प्रदेश मंत्री केँ पद पर नियुक्त कयल गेल अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts