
लहरि रूम(रांची ) : झारखण्ड मैथिली मंच, रांची केर तत्वावधान मे आई दिनांक 2 अगस्त 2026 (रवि दिन) सकल समाजक संग सम्पूर्ण देशक कल्याणार्थ साओनक मास कें प्रारम्भ होइएते ‘महारुद्राभिषेक’ कें आयोजन विद्यापति दलान, हरमू, रांची केर परिसर मे कयल गेल। जाहि मे मिथिला समाज केर गणमाण्य व्यक्ति कें संग आओर समाजक लोक सबके सहभागिता रहलनि अछि। आजुक एहि आयोजक कें यजमान स्वरुप मैथिली मंच केर कोषाध्यक्ष संतोष मिश्र जी छला। सर्व प्रथम भगवान भोले नाथ केर रुद्राभिषेक हेतु गंगोट सँ पार्थिव शिवलिंग बनाओल गेल छल। कुसियारक रस, गंगाजल, डाभ( नारियल कें जल), मध् , दही इत्यादि सँ भगवान रूद्र केर अभिषेक कयल गेल। उपस्थित व्यक्ति लोकनि सपत्नी भगवान केर अपन अभिषेक अर्पित कयलनि। उपस्थित महिला वृन्द एवं गायक कलाकार अश्वनी आनंद के एक सँ बढ़ि क’ एक शिव भजन गाओल गेल। …………. क्रमशः


