spot_img
Monday, May 4, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमैथिली नव वर्ष पर विश्वम्भर फॉउंडेशन द्वारा कयल गेल जलशाला निर्माण आओर...

मैथिली नव वर्ष पर विश्वम्भर फॉउंडेशन द्वारा कयल गेल जलशाला निर्माण आओर बॉटल गेल चना -गुड़ आओर शरबत

-

रांची (झारखण्ड) : मैथिली नव वर्ष आ मिथिलाक लोक पाबनि जुडशीतल केँ शुभ अवसर पर आइ विश्वम्भर फाउंडेशन,रांची केँ द्वारा रांची, हरमू इलाका केँ सहजानंद चौक पर एकटा कार्यक्रम केँ आयोजन कयल गेल। सबसँ पहिने आगामी ग्रीष्म ऋतु केँ देखैत सहजानंद चौक पर फाउंडेशन द्वारा जलशाला केँ निर्माण कयल गेल आ आम लोक के स्वच्छ जल उपलब्ध करेबाक उचित व्यवस्था कयल गेल आ एकरा श्री अमरनाथ झा द्वारा आम लोक हेतु समर्पित कयल गेल | तकर बाद जुडशीतल केँ अवसर पर गाछ सभक जड़ी मे पाइन देल गेल संगहि चना गुड़ आ मीठ-ठंढा शरबत बाँटल गेल । एहि आयोजन मे फाउंडेशनक सचिव नवीन कुमार झा, राजेश झा, बिनोदानंद झा, अमरनाथ झा, प्रदीप चौधरी, विद्यानंद ठाकुर, बीरेंद्र झा, राधेश्याम यादव, मृत्युंजय झा आ किशोर झा सहित अनेक गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts