spot_img
Sunday, July 26, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिसिवान मे बबाल पर इंटरनेट सेवा बंद - तेज प्रताप यादव 14...

सिवान मे बबाल पर इंटरनेट सेवा बंद – तेज प्रताप यादव 14 दिन हेतु न्यायिक हिरासत मे !

-

स्थानीय लोग कें कहनाइ “उपद्रव केनिहार बाहर सँ आयल छला !

लहरि रूम (पटना) : बिहार बंद के दौरान भेल हंगामा मे पुलिस प्रशासन केँ द्वारा कार्रवाई कयल गेल अछि। लालू प्रसाद यादव के पैघ सुपुत्र तेज प्रताप यादव केँ पुलिस गिरफ्तार क’ लेलक अछि। देर रात 12:15 बजे तेज प्रताप केँ नौबतपुर थाना केँ छज्जू बाग स्थित ड्यूटी मजिस्ट्रेट के सामने पेश कयल गेल। कोर्ट तेज प्रताप यादव केँ 14 दिनक लेल न्यायिक हिरासत मे बेउर जेल भेजबाक आदेश देलक अछि।पटना के SSP कार्तिकेय शर्मा अपन वक्तव्य मे कहलनि जे तेज प्रताप यादव केँ दंगा केर बढ़ावा देबाक कें आरोप मे गिरफ्तार कयल गेल अछि।

बिहार बंद हिंसा मे अखनधरि 423 लोग हिरासत मे
काइल दिनांक 25 जुलाई क’ बिहार बंद के घोषणा छल। बिहार पुलिस मुख्यालय के मुताबिक, बिहार बंद के दौरान भेल हिंसा आ उपद्रव के मामले मे अखनधरि 423 गोटे कें को हिरासत मे लेल गेल अछि। इ कार्रवाई राज्य के 10 सबसे अधिक प्रभावित जिला मे कयल गेल अछि। 100गोटे के लगभग पटना सँ हिरासत मे लेल गेल अछि।

प्रश्न : जखन धर्मेंद्र प्रधान अपन पद सँ त्याग पत्र द’ देलनि तखन किएक सिवान मे भेल फायरिंग ?

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts