spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिजानकी नवमी (17 मई 2024) सरकारी छुट्टीक घोषणा करय झारखण्ड सरकार: बाबा...

जानकी नवमी (17 मई 2024) सरकारी छुट्टीक घोषणा करय झारखण्ड सरकार: बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची

-

रांची : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ कार्यालय मे जयंत झा केँ अध्यक्षता में आवश्यक बैसार संपन्न भेल । बैसार मे सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल जे ह लेखानंद झा केँ आकस्मिक निधन केँ कारण सँ समस्त मैथिल समाज मे शोक केँ लहरि अछि। ताहि लेल माँ जानकी महोत्सव कार्यक्रम जे दिनांक 17/5/ 2024 के होबय वाला छल, स्थगित क’ देल गेल छल मुदा ओही दिन समिति कार्यालय मे माँ जानकी केँ बहुत सरल तरीका सँ पूजा होयत। दोसर दिस बाबा विद्यापति समिति, रांची महामहिम राज्यपाल आ माननीय मुख्यमंत्री केँ आवेदन द’ क’ माँ जानकी नवमी केँ दिन सरकारी छुट्टी घोषित करय केँ मांग केने अछि। माँ जानकी नवमी केँ दिन बिहार मे सरकारी छुट्टी घोषित भ’ चुकल अछि ! झारखंड मे सेहो एहने समिति केँ द्वारा कयल गेल अछि ! समिति केँ एहि बैसार मे अध्यक्ष जयंत झा, मृत्युंजय झा, उदितनारायण ठाकुर, संतोष मिश्र, ज्ञानदेव झा, राधेश्याम यादव, आशु झा, पवन सोनी, अनुप गुप्ता, बॉबी शर्मा, विष्णु सिंघनिया, नितेश सिंह आदि उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts