spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकेकेआर टीम बनला TATA IPL - 2024 केँ चैम्पियन : भेल पटाक्षेप

केकेआर टीम बनला TATA IPL – 2024 केँ चैम्पियन : भेल पटाक्षेप

-

लहरि रूम : रविदिन चेन्नई मे खेलल गेल आईपीएल 2024 केँ फाइनल मैच मे कोलकाता नाइट राइडर्स (केकेआर) सनराइजर्स हैदराबाद केँ पराजित क’ तेसर बेर खिताब जीत लेलक। कोलकाता एहि मुकाबला मे बल्ला आओर गेंद दूनू केँ संग प्रभावी प्रदर्शन केलक आओर विपक्षी टीम केँ कोनो क्षण हावी होयबाक मौका नहि देलक । केकेआर केँ विजेता बनलाक बाद जहाँ प्रशंसक टीम केँ कोच गौतम गंभीर केँ प्रशंसा करि रहला अछि, मुदा कप्तान श्रेयस अय्यर केँ विचार किछु अलग छनि ।
श्रेयस अय्यर केँ नेतृत्व वाला केकेआर द्वारा आंद्रे रसेलक नेतृत्वक सनराइजर्स हैदराबाद केँ टीम केँ गेंदबाज केँ मजबूत प्रदर्शन आओर वेंकटेश अय्यर केँ नाबाद अर्ध शतक केँ सहयोग सँ स॑ फाइनल मे आठ विकेट सँ पराजित कयल गेल । हैदराबाद पहिले टॉस जीती क’ प्रथम बल्लेबाजी करै के फैसल कयलक , लेकिन कोलकाता केँ गेंदबाजक शानदार गेंदबाजी करि हैदराबाद केँ 18.3 ओवर मे 113 रन आल आउट क’ देलक । लक्ष्य केँ पाछा करैत केकेआर केँ वेंकटेश अय्यर केँ नाबाद 52 केँ मदद सँ 10.3 ओवर मे 2 विकेट के सहयोग सँ 114 बना क’ लक्ष्य केँ प्राप्त क’ टाटा आईपीएल 2024 केँ चैम्पियन बनल।
‘सफलता एक व्यक्ति द्वारा नहि, टीमक सामूहिक प्रयास सँ भेटैत अछि’ – कप्तान श्रेयस
आईपीएल केँ खिताब जीतला केँ बाद केकेआर केँ कप्तान श्रेयस टीमक प्रशंसा करैत कहलनि जे, हमरा खिलाड़ी सब सँ सेहो एहने प्रदर्शन केँ उम्मीद छल। एहि भावक वर्णन हमरा लेल बहुत कठिन अछि। हम सब भाग्यशाली रही जे पहिने गेंदबाजी करबाक मौका भेटल। जेना सब किछु हमरा सबहक पक्ष मे चलि रहल हो। ओना हम सनराइजर्स के सेहो बधाई देबय चाहब जे पूरा टूर्नामेंट में शानदार खेललनि। एक व्यक्ति हमरा सब के एतय नै अनलक, बल्कि टीम के सामूहिक प्रयास सँ सफलता हासिल केलौं।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts