नई दिल्ली :
वित्तीय नियम प्रत्येक महीनाक 1 तारीख क’ बदलैत अछि। ई नियम आम नागरिक केँ दैनिक जीवन केँ प्रभावित करैत अछि , कारण एकरा मे गैस सिलेंडर केँ मूल्य , निवेश आओर वित्त सँ संबंधित नियम सम्मलित अछि । एक जून सँ आम जनमानस केँ जरूरत सँ जुड़ल पांचटा नियम मे बदलाव होबय वाला अछि। एकर सीधा असरि जेबी पर पड़त। ई नियम की अछि से जानि ली :-
यातायात केँ नियम
एक जून सँ परिवहन क’ नव नियम लागू भ’ जाएत। एहि नियमक उल्लंघन पर भारी जुर्माना भ’ सकैत अछि। नव नियम क’ अनुसार तेज रफ्तार सँ गाड़ी चलाबय पर एक हजार सँ दू हजार टका केँ जुर्माना देबय पड़त। बिना लाइसेंस केँ गाड़ी चलाबय पर 500 रुपया… हेलमेट नहि पहिरला पर 100 रुपया आओर सीटबेल्ट नहि पहिरला पर 100 रुपया के जुर्माना होएत।
नाबालिग गाड़ी चलाबय पर 25 हजार जुर्माना
गाड़ी चलबैत काल ड्राइविंग लाइसेंस अनिवार्य भ’ गेल अछि। अगर 18 साल सँ कम आयु केँ बच्चा गाड़ी चलाबैत पकड़ल जेता त’ हुनका 25 हजार रुपया केँ जुर्माना देबय पड़त। एकर अलावा गाड़ी मालिक केँ ड्राइविंग लाइसेंस सेहो रद्द कएल जा सकैत अछि। संगे-संग नाबालिग केँ जा धरि 25 साल नहि भ’ जाएत ता धरि लाइसेंस नहि देल जाएत।
LPG सिलेंडर मूल्य
हर महीना 1 तारीख क’ एलपीजी सिलेंडर केँ दाम मे संशोधन कैल जाइत अछि। 1 जून क’ तेल विपणन कंपनी गैस सिलेंडर क’ दाम तय करत। मई मे कंपनी सब कमर्शियल सिलेंडर क’ दाम घटा देने छल।
निजी संस्थान मे ड्राइविंग टेस्ट कराओल जाएत
एक जून सँ निजी संस्थान मे सेहो ड्राइविंग टेस्ट कराउल जाएत। एखन धरि ड्राइविंग लाइसेंस टेस्ट लेल आरटीओ जेबाक छल। आब निजी संस्थान मे सेहो लाइसेंस केँ लेल आवेदन करय वाला केँ ड्राइविंग टेस्ट देल जा सकैत अछि।
आधार कार्ड केँ नियम
अगर अहां अपन आधार कार्ड अपडेट करय चाहय छी तं 14 जून तक बिना कोनो शुल्क केँ क’ सकैत छी। ई अपडेट ओहि चीज सँ संबंधित अछि जे ऑनलाइन कयल जा सकैत अछि। अगर अहां आधार कार्ड अपडेट करय लेल आधार केंद्र पर जायब त’ 50 रुपया केँ फीस देबय पड़त।