spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिSKM केँ आँधी मे उड़ि गेल विपक्ष : 32 मे 31 सीट...

SKM केँ आँधी मे उड़ि गेल विपक्ष : 32 मे 31 सीट पर विजय

-

लहरि रूम: 2 दशक पहिने अनिल कपूर अभिनीत एकटा सिनेमा आयल छल। जाहि केँ नाम ‘नायक’ छल। सिक्किम राज्यक चुनावी परिणाम जाहि रूपेण प्रस्तुत भेल अछि ओहि सँ सिनेमाक याद ताजा भ’ गेल। किछु लोक केँ वक्तव्य वर्तमान प्रधानमंत्री मोदी जी केँ लेल कहियो सुनने रही जे मोदी जी एहन-एहन काज करता,जाहि केँ कारण सँ लोकसभा मे विपक्ष केँ संख्या नगण्य भ’ जायत। मुदा सिक्किम केँ चुनावी परिणाम अयला सँ बुझा गेल जे प्रेम सिंह तामंक केँ प्रसिद्धि कतेक छनि ओहि राज्य मे
खबरि विस्तार सँ

सिक्किम विधानसभा चुनावक लेल रविदिन मतगणना भेल। चुनाव आयोग केँ आंकड़ा केँ अनुसार सिक्किम क्रांतिकारी मोर्चा एक बेर फेर सँ राज्य मे भारी बहुमत सँ सत्ता मे वापस आबि गेल अछि। पार्टी प्रमुख आओर राज्य केँ वर्तमान मुख्यमंत्री प्रेम सिंह तामांग विधानसभा चुनाव मे रेनोक आओर सोरेंग-चाकुंग क्षेत्र सँ लड़ल छलाह आओर दुनू सीट पर विजय भेला अछि। चुनाव आयोगक आंकड़ा केँ अनुसार सिक्किम मे सत्ताधारी एसकेएम (SKM) केँ तूफान मे विपक्ष केँ पूर्ण रूप सँ सफाया भ’ गेल अछि।

प्रेम सिंह तामंक ककेँ नेतृत्व मे सिक्किम क्रांतिकारी मोर्चा राज्य केँ 32 विधानसभा सीट मे सँ 31 सीट जीत चुकल अछि। मुदा एसकेएम केँ एहि तूफान मे एकटा एहन उम्मीदवार छलाह जे बहादुरी सँ चुनाव लड़ला आओर विजय भेला अछि। ओहि नेता केँ नाम तेनजिंग नोर्बू लमथा अछि जे श्यारी विधानसभा सीट सँ सिक्किम डेमोक्रेटिक फ्रंट केँ उम्मीदवार छलाह। तेनजिंग अपन निकटतम प्रतिद्वंदी सिक्किम क्रांतिकारी मोर्चा केँ कुंगा निमा लेपचा केँ 1341 मतक अंतर सँ पराजित कयलनि । ओ समाजसेवी छथि। ओ सामाजिक कार्यक लेल राज्य सरकारक नौकरीसँ इस्तीफा द’ देने छलाह ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts