spot_img
Saturday, August 23, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिअररिया (बिहार) मे 12 करोड़ क' पुल उद्घाटन सँ पहिने ढहि गेल,...

अररिया (बिहार) मे 12 करोड़ क’ पुल उद्घाटन सँ पहिने ढहि गेल, देखते – देखते नदी मे पुल समा गेल ।

-

पटना : एक बेर फेर बिहार मे पुल दुर्घटना भ’ गेल अछि। उद्घाटन स पहिने सेहो पुल ढहि क’नदी मे डूबि गेल। घटना अररिया जिलाक सिकटी प्रखंड मे भेल अछि। एहि ठाम बकरा नदी क पड़रिया घाट पर 12 करोड़ कें लागत सँ बनल पुल अचानक नदी मे डूबि गेल। ई दुर्घटना आई 18 जून मंगलदिन दुपहर करीब 2:05 बजे भेल। 182 मीटरक पुल तीन भाग मे बनल छल। दू पायाक संग दू भाग नदी मे समाहित भ’ गेल। एतय घटनाक बाद इलाका मे हलचल मचि गेल। बताओल जा रहल अछि जे एहि पुल केँ निर्माण पहिने केँ पुलक एप्रोच कटला के बाद भेल छल। लोकक आरोप अछि जे पुलक निर्माण मे घटिया सामग्री केँ उपयोग भेल छल, ताहि लेल उद्घाटन सँ पहिने पुल खसि पड़ल। लोकक कहनाय छनि जे हाल मे विभाग पुलक एप्रोच रोड केँ बहाल करय केँ अभ्यास प्रारम्भ केने छल। मुदा, ताहि सँ पहिने ई दुर्घटना भ’ गेल छल। अररिया सांसद आ विधायक द्वारा एहि कार्य सँ संबंधित ठेकेदार आ अधिकारी क’ खिलाफ कार्रवाई करबाक बात केलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts