नई दिल्ली : आइ कनेक देर सँ ऑफिस जेबै … अगर अहां दिल्ली मे सरकारी कर्मचारी छी आओर एहि तरहे सोचैत ऑफिस जायब त’ आब अहाँक एहि तरह सोच केँ असरि जेब पर देखय लेल भेटत। दरअसल केंद्र सरकार देर सँ काज पर आबय वाला सरकारी अधिकारी पर लगाम लगेलक अछि। एकटा नव आदेश दैत केंद्र सरकार स्पष्ट रूप सँ कहलक जे सरकारी कर्मचारी क’ बेसी सँ बेसी 15 मिनट देरी सँ कार्यालय मे उपस्थित होयबाक समय देल जायत। अगर ककरो 15 मिनट सँ बेसी लेट भ’ गेल त’ हुनक आधा दिन क’ शुल्क काटि लेल जेतनि ।
की अपने दिल्ली मे सरकारी कर्मचारी छी ? त’ 9:15 तक Present Sir (बायोमेट्रिक पंचिंग) करय परत – केंद्र केँ आदेश !
-

