सुभाष शिरोडकर
स्टार प्लसक लोकप्रिय धारावाहिक ‘ये रिश्ता क्या कहलाता है’ मे अरमान पोद्दारक भूमिका निभौनिहार अभिनेता शहजादा धामीकेँ कार्यक्रमक निर्माता राजन शाही सहकलाकार प्रतीक्षा होन्मुखेक सङ्ग हुनक अव्यवसायिक व्यवहारक कारण कार्यक्रमसँ बेदखल कऽ देलनि।
‘ये रिश्ता क्या कहलाता है’ सँ बेदखल होयबाक समय चर्चा छल जे शहजादा धामी आ प्रतीक्षा होनमुखे रिलेशनशिपमे छथि आ दुनू सेट पर कर्मचारीक सङ्ग नीक व्यवहार नहि कयलनि।
एहि धारावाहिकसँ हुनक अचानक बहिर्गमन कतेको लोकक लेल एकटा झटका छल, मुदा ओहि शोसँ बर्खास्त भेलाक बाद शहजादा धामीकेँ कतेको लोकप्रिय निर्माता काज लेल बजौलनि आ हुनक कैरियर फेरसँ शुरू भऽ गेल।
एकता कपूरक शो ‘नागिन ७’क लेल सेहो हुनक नामक चर्चा भेल छल मुदा बादमे एकर विषयमे कोनो आन अपडेट नहि आयल।
जहिया सँ ‘बिग बॉस १७’ समाप्त भऽ गेल अछि, सब कियो जल्दिये ‘बिग बॉस ओटीटी ३’ के प्रसारण शुरू करय जा रहल अछि। मुदा, पहिने ई खबरि आबि रहल छल जे एहि साल श्बिग बॉस ओटीटीक तेसर सीजन नहि होयत आ दर्शककेँ सीधा ‘बिग बॉस १८’ देखबाक अवसर भेटत।
‘बिग बॉस ओटीटी ३’ के बारे मे एकटा पैघ खबर आबि रहल अछि जे शहजादा धामी एहि शो मे देखय जा रहल छथि। निर्माता एहि कार्यक्रमक हिस्सा बनबाक लेल कतेको हस्तीसँ सम्पर्क कयलनि अछि, जाहिमे शहजादा धामीक नाम सेहो शामिल अछि।
एहि कार्यक्रमक प्रतियोगीक सूचीमे अरहान बहल, शहजादा धामी, प्रतीक्षा होनमुखे, शीजान खान, मैक्सटर्न, ठगेश, रोहित खत्री, दलजीत कौर, श्रीराम चन्द्रा, आर्यांशी शर्मा, सांकी उपाध्याय, तुषार सिलावट, रोहित जिंजुर्के शामिल छथि।
शहजादा धामी ‘ये रिश्ता क्या कहलाता है’सँ हटलाक बादसँ लगातार चर्चामे छथि। शहजादा पसन्द करयवला लोकक लेल एकटा नीक खबरि सेहो अछि जे आब ओ जल्दिये टीवीक हॉट अभिनेत्री निया शर्माक सङ्ग एकटा नव शो श्सुहागन चुरैलश्मे देखल जायत। एहि कार्यक्रमक लेल टॉलीवुड अभिनेत्री देब चन्द्रिमा सिंघा रॉयक नाम सेहो सामने आयल अछि। एहि शोक कहानी एहि तीनू के इर्द-गिर्द घूमत।
अभिनेत्री निया शर्मा, जे अन्तिम बेर धारावाहिक श्नागिन ४श्मे देखल गेल छलीह, एहि कार्यक्रमक सङ्ग बहुत दिनक बाद टीवीमे वापिस आबय जा रहल छथि। एहि लेल प्रशंसक नियाकेँ एहि शोमे देखबाक लेल काफी उत्साहित छथि।