नई दिल्ली : आजुक दिन 18म लोकसभा केँ स्पीकर पद हेतु चुनाव होयत। NDA केँ तरफ सँ ओम बिरला आओर
I-N-D-I एलायंस केँ तरफ सँ के. सुरेश प्रत्याशी केँ रूप मे छथि। विजित व्यक्ति स्पीकर बनता।
राहुल गाँधी बनता 18म लोकसभा केँ नेता प्रतिपक्ष
लोकसभा मे राहुल गांधी नेता प्रतिपक्ष केँ पद के नेता बनताह। कांग्रेस महासचिव केसी वेणुगोपाल कहलनि जे, लोकसभा मे सांसद राहुल गांधी केँ एलओपी नियुक्त कयल गेल अछि। सूत्र केँ अनुसार कांग्रेस पार्टी केँ अंदर राहुल गांधी केँ विपक्ष केँ नेता बनेबाक मांग लगातार बनल रहल छल । 18मलोकसभा परिणाम अयला केँ बाद बहुतो कार्यकर्ता आ कांग्रेस केँ नेता राहुल गांधी सँ अपील केने छलाह जे ओ आगू बढ़ि विपक्ष केँ नेता केँ जिम्मेदारी लौथ। मोदी सरकार केँ पहिल दू कार्यकाल मे मुख्य विपक्षी दल कांग्रेस केँ सदन मे 10 प्रतिशत ताकत तक नहि भेटल छल। एहन स्थिति मे कांग्रेस केँ विपक्षी नेता बनबाक कोनो उपाय नहि छल। मुदा 2024 केँ लोकसभा चुनाव मे कांग्रेस केँ 99 सीट भेटल अछि , एहन मे कांग्रेस एहि बेर विपक्षी नेता बना सकैत अछि।
केसी वेनुगोपाल जानकारी द्वारा प्रेसित कयल गेल जानकरी
राहुल गांधी केँ नेता प्रतिपक्ष बनाबय केँ जानकारी कांग्रेस नेता आओर पार्टी क’ महासचिव केसी वेणुगोपाल देलनि अछि। मीडिया सँ बात करैत महासचिव केसी वेनुगोपाल कहलनि जे, कांग्रेस संसदीय पार्टी केँ प्रमुख सोनिया गांधी लोकसभा प्रोटेम स्पीकर भर्तृहरि महताब केँ पत्र पठा क’ पार्टी केँ एहि फैसला केँ जानकारी देल गेल अछि । राहुल गांधी यूपी केँ रायबरेली लोकसभा क्षेत्र सँ सांसद चयनित भेल छथि। जे मंगलदिन लोकसभा सदस्यक शपथ लेलनि।
इंडिया ब्लॉक केँ बैसार मे भेल निर्णय
25 जून मंगलदिन कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खर्गे केँ आवास पर I-N-D-I एलायंस केँ नेता सभहक बैसार भेल। एहि बैसार मे राहुल गांधी केँ नेता प्रतिपक्ष बनेबाक चर्चा भेल, जाहि क्रम मे राहुल गांधी केँ सर्वसम्मति सँ नेता प्रतिपक्ष चुनल गेल। कांग्रेस पार्टी केँ तरफ सँ प्रोटेम स्पीकर केँ सेहो चिट्ठी लिखल गेल अछि जे राहुल गांधी केँ नेता प्रतिपक्ष बनाओल गेल अछि।