नई दिल्ली (लंदन- न्यूज़ ) : ब्रिटेन केँ निवर्तमान प्रधानमंत्री ऋषि सुनक शुक्र दिन अपन वक्तव्य मे कहलनि जे ओ आम चुनाव मे अपन पार्टी केँ पराजय केँ सम्पूर्ण दायित्व लैत कंजरवेटिव पार्टी केँ नेता केँ पद सँ सेहो हटि जेता । सुनक भारतीय मूलक पहिल ब्रिटिश प्रधानमंत्री केँ रूप मे डाउनिंग स्ट्रीट (ब्रिटिश प्रधानमंत्री केँ आवास) मे अपन परिवारक संग मनाओल गेल दिवाली उत्सव केँ सेहो याद केलनि। 44 वर्षीय सुनक लगभग 20 महीना केँ कार्यकाल पूरा केलनि आ प्रधानमंत्री केँ रूप मे अपन विदाई भाषण मे भावुक भ’ गेलाह। मतदाता सँ माफी मंगलनि मुदा प्रधानमंत्री केँ रूप मे अपन कर्तव्य केँ पूरा समर्पणक निर्वहन करबाक बात कयलनि। चुनाव मे हारल अपन पार्टी केँ सहयोगी सभ सँ सेहो क्षमा माँगलनि।
ब्रिटेन केँ लेबर पार्टी 5 जुलाई क’ सत्ता मे वापस आबी गेल अछि, केयर स्टारमर ब्रिटेन केँ अगला प्रधानमंत्री हेता। 650 सदस्यीय ब्रिटिश संसद मे वोट के गिनती लेबर पार्टी केँ 410 सीट भेटल , ब्रिटेन मे सरकार बनाबै लेल हुनका 326 सीट केँ मात्र जरूरत अछि । 2019 के आम चुनाव मे लेबर पार्टी केँ 202 सीट भेटल छल। कंजरवेटिव पार्टी जे 2010 सँ लगातार देश पर शासन क रहल अछि।

