spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबिहारमे भारी बरखा, कोसी सहित कतेको नदीक जलस्तर बढ़ल

बिहारमे भारी बरखा, कोसी सहित कतेको नदीक जलस्तर बढ़ल

-

पटना/ नवीनतम रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे राज्यक किछु क्षेत्रमे मध्यमसँ भारी बरखाक कारण कोसी, बागमती, गंडक, कमला आ अधवारा समूहक नदीक जलस्तर खतराक निशानकेँ पार कऽ गेल अछि। कोसी नदी सुपौल आ बसंतपुरमे खतराक निशानसँ ऊपर बहैत अछि।

बिहारमे पछिला २४ घंटामे भेल भारी बरखाक कारण राज्यक नदीसभ उफान पर अछि। कोसी सहित कतेको नदीक जलस्तर विभिन्न स्थानपर खतराक निशानकेँ पार कऽ गेल अछि। बिहारक जल संसाधन विभाग सँ प्राप्त जानकारीक अनुसार ४ जुलाईसँ बांका, बेगूसराय, भागलपुर, भोजपुर, बक्सर, गया, जहानाबाद, कैमूर, कटिहार, खगड़िया, मुंगेर, नालंदा, पटना, नवादा, पूर्णिया, सारण, शेखपुरा, सीवान आ वैशाली सहित कतेको जिलामे हल्लुकसँ मध्यम बरखा दर्ज कयल गेल।

राज्यक किछु जिलामे लगातार बरखा होयबाक कारणेँ नदी आ नाला उफान पर अछि। एकर अतिरिक्त, नेपालक जलग्रहण क्षेत्रमे लगातार बरखाक कारण कतेको ठाम नदीसभ खतराक निशानकेँ छू रहल अछि वा ओहिसँ ऊपर बहैत अछि। ओ कहलनि जे एखन धरि कोनो हताहत होयबाक सूचना नहि अछि। जिला प्रशासन द्वारा पूर्वी आ पश्चिम चम्पारण जिलाक किछु निचला क्षेत्रक गामक लोकसभकेँ सुरक्षित स्थानपर निकालि देल गेल अछि।

मधुबनी, जयनगर आ झंझारपुर क्षेत्रमे कमला नदीक जलस्तर चेतावनीक स्तर पर पहुँचि गेल अछि। रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे अररिया जिलामे शुक्रदिन परमान नदी खतराक निशान पार कऽ गेल अछि, कोसी नदी खगड़िया आ बेलदौरमे खतराक निशानकेँ छू रहल अछि। गोपालगंज आ सिधवालिया क्षेत्रमे गंडक नदी खतराक निशान पार कऽ गेल अछि।

जल संसाधन विभागक एकटा वरिष्ठ अधिकारी कहलनि, ष्लगभग सभ नदी बढ़ि रहल अछि आ अपन कातमे निचला क्षेत्रकेँ पकड़ि रहल अछि, मुदा सभ तटबन्ध सुरक्षित अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts