नई दिल्ली : भारत केँ श्रीलंका दौरा 27 जुलाई सँ प्रारम्भ होयत आओर एहि मे तीन टी-20 मैच केँ उपरांत तीन मैच केँ एकदिवसीय सीरीज होयत । बीसीसीआई केँ चयन समिति आश्चर्य चकित करै वला निर्णय लेल गेल अछि । खास कs सूर्यकुमार यादव केँ टी-20 क’ कप्तान बनाओल गेल अछि। कयास लगाओल जाइत छल जे हार्दिक पांड्या केँ टी 20 टीम केँ कप्तान बनाओल जायत। T20WC मे जबरदस्त खेल प्रदर्शन केँ कारण सँ सभहक आशा छल जे ओ कप्तान बनता। मुदा ओ उपकप्तान केँ पद पर नहि छथि । देखला पर आगूक पंक्ति मे बैसल हार्दिक पांड्या अचानक बैकबेंचर बनि गेलाह । बीसीसीआई केँ ई फैसला सबके आश्चर्यचकित क’ देलक अछि।
सूर्यकुमार अचानक मंच पर आबि हावी भ’ गेलाह। टी-20 विश्व कप फाइनल मे करिश्माई कैच लेनिहार सूर्य कप्तान बनताह, एहि बातक शायदे ककरो अनुमान छल।