नई दिल्ली : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे, 14 अक्टूबर 2024 क’ इटली केँ मिलान मे 75वां अंतर्राष्ट्रीय अंतरिक्ष यात्री सम्मलेन केँ उद्घाटन समारोह मे ISRO केँ सम्मान भेटत।
चंद्रयान- 3 केँ चन्द्रमा केँ दक्षिणी ध्रुव पर सफल लैंडिंग भेला केँ कारण भारत ISRO केँ वैज्ञानिक लोकनिक केँ प्रयास सँ प्रथम देश बनल छल। एहि उपलब्धि केँ कारण सँ चंद्रयान- 3 केँ अन्तर्राष्ट्रीय अंतरिक्ष महासंघ द्वारा विश्व अंतरिक्ष पुरस्कार सँ सम्मानित कयल जायत। चन्द्रमा पर सॉफ्ट लैंडिंग केँ उपलब्धि भारत केँ अलावा अमेरिका, रूस आओर चीन केँ प्राप्त भेल अछि।
Trending Now
