रांची : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ द्वारा जन कल्याणार्थ रुद्राभिषेक केँ साओन मासक तृतीय सोमवारी अगस्त 2024 क’ बेरुपहर मे समिति केँ कार्यालय मे होयत। एहि आयोजन मे पार्थिव शिवलिंग केँ निर्माण सिमरिया सँ गंगोट सँ होयत। बाबा केँ रुद्राभिषेक सिमरिया सँ मगाओल गेल गंगाजल सँ होयत। भगवान भोलेनाथ मे बेसी सँ बेसी मिथिलावासी संग रांची वासी आबि बाबा केँ अभिषेक मे सम्मलित होइथ ताहि लेल जन संपर्क अभियान चलाओल जा रहल अछि। एहि सामाजिक कल्याणार्थ आयोजन केँ यजमान आशुतोष झा (आशु झा ) अपन परिवारक संग छथि। एहि आयोजन संपादन केँ पुरोहित पं० मुकेश झा शास्त्री केँ द्वारा संपन्न होयत।
Trending Now
