नई दिल्ली : भारतीय जनता पार्टी 11 अगस्त सँ 15 अगस्त तक ‘हर घर तिरंगा’ अभियान चलाबय केँ तैयारी मे अछि। स्वतंत्रता दिवस समारोह केँ अवसर पर चलय वाला अभियान केँ देखैत भाजपा कार्यकर्ता सभ सँ घर-घर जा क’लोक तक पहुंचय लेल कहल गेल अछि। भगवा पार्टी कहलक अछि जे ओ 14 अगस्त क’ विभाजन विभीषिका स्मृति दिवस मनाओत। 11 सँ 14 अगस्त तक देश भरि मे ‘तिरंगा यात्रा’ निकालल जाएत। पार्टी इहो कहलक जे 13 सँ 15 अगस्त धरि हर घर, दोकान आ कार्यालय पर झंडा फहराओल जायत।
एहि दौरान स्वच्छता अभियान चलाओल जायत आ महापुरुषक मूर्ति आ स्मारक केँ पुष्प श्रद्धांजलि देल जायत। लोकसभा सांसद आ भाजपा नेता सीआर पाटिल 2018 मे एहि अभियान केँ प्रारम्भ कयने छला आ ओकर बाद देश भरि मे एहि अभियान केँ आगा बढ़ाओल गेल। 28 जुलाई क’ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अपन 112म ‘मन की बात’ मे स्वतंत्रता दिवस मनाबय लेल ‘हर घर तिरंगा अभियान’ मे भाग लेबाक आह्वान सेहो केने छला ।
पीएम राष्ट्रीय ध्वज केँ संग सेल्फी लेबय आओर सोशल मीडिया पर शेयर करय केँ बढ़ैत ट्रेंड पर प्रकाश देलनि। सहभागिता केँ प्रोत्साहित करैत नागरिक लोकनि सँ आग्रह कयलनि जे ‘hargartiranga.com’ पर अपन तिरंगा केँ संग सेल्फी अपलोड करी ।
एहि बीच रक्षा मंत्रालय 15 अगस्त क’ स्वतंत्रता दिवस पर देश भरि मे पैघ वृक्षारोपण अभियान चलाओत, जाहि मे ‘एक पेड माँ के नाम’ अभियान क’ तहत 15 लाख पौधा रोपल जाएत।