spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि11 अगस्त तक IMD द्वारा जारी कयल गेल यलो अलर्ट : राँची

11 अगस्त तक IMD द्वारा जारी कयल गेल यलो अलर्ट : राँची

-

रांची (झारखण्ड ): मौसम विभाग केँ अनुसार रांची सहित राज्य भरि मे एक बेर फेर सँ मानसून सक्रिय भ’ गेल अछि। रांची स्थित मौसम केंद्र 8 आ 9 अगस्त क’ गढ़वा, पलामू, लतेहर, लोहरदगा, गुमला आ सिमडेगा जिलाक संबंध मे यलो अलर्ट जारी केलक अछि। मौसम वैज्ञानिक केँ अनुसार पश्चिम बंगाल केँ गांगेय क्षेत्र सँ ल’ क’ नजदीकी बांग्लादेश केँ उपर साइक्लोनिक सर्कुलेशन बनि गेल अछि । एहि केँ असरि केँ कारण सँ राज्य मे बरखा केँ संभावना अछि। एकर अलावा मॉनसून केँ ट्रफ लाइन सेहो रांची सँ पार क’ रहल अछि । जाहि केँ कारण सँ राजधानी आओर आसपास केँ क्षेत्र मे भारी बरखा केँ संभावना अछि ।

11 अगस्त तक भारी बरखा केँ संबंध मे यलो अलर्ट : रांची

11 अगस्त तक झारखण्ड राज्य केँ विभिन्न जिला मे भारी बरखा लs क’ मौसम विभाग केँ तरफ सँ येलो अलर्ट जारी कयल गेल अछि। एहि केँ अनुसार 8 आओर 9 अगस्त क’ राज्य केँ पश्चिमी भाग केँ अलग-थलग जगह पर भारी बारिश केँ संभावना अछि । जखन कि 10 अगस्त क’ राज्यक पूर्वोत्तर भाग मे अलग-अलग जगह पर भारी बरखा केँ संभावना अछि। 11 अगस्त क’ उत्तरी आ मध्य भाग क अलग-अलग जगह पर भारी बरखा केँ संभावना अछि। मौसम विभाग केँ अनुसार अगिला 5 दिनक अधिकतम तापमान में कोनो पैघ बदलावक संभावना नहि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts