spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिकोलकाता मे महिला चिकित्सक केँ भेल बलात्कार, भेटल शव ! भयावह आओर...

कोलकाता मे महिला चिकित्सक केँ भेल बलात्कार, भेटल शव ! भयावह आओर शर्मनाक घटना

-

लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ पश्चिम बंगाल केँ कोलकाता सँ एकटा भयावह खबरि आबि रहल अछि । एहि ठामक आरजी कर मेडिकल कॉलेज और हॉस्पिटल केँ एकटा महिला डॉक्टर रहस्यमय परिस्थिति मे मृत भेटल छथि । जिनक शव भेटल अछि ओ अस्पताल मे स्नातकोत्तर मेडिकल केँ सेकेंड ईयर केँ छात्रा छलीह आ चेस्ट मेडिसिन विभाग मे हाउस स्टाफ केँ रूप में सेहो काज क’ रहल छलीह। अस्पताल केँ कर्मचारी सबके अस्पतालक इमरजेंसी बिल्डिंग केँ चारिम मंजिल पर करीब 12 बजे लाश केँ पता चलल। शव भेटलाक बाद कैंपस मे तनाव पसरि गेल। कोलकाता पुलिस केँ उत्तरी उपनगरीय प्रभाग केँ उपायुक्त अभिषेक गुप्ता केँ नेतृत्व मे पुलिस टीम तुरंत मौका पर पहुंच गेल। एकर तुरंत बाद नगर पुलिस आयुक्त विनीत कुमार गोयल सेहो अस्पताल परिसर पहुंचलाह। अस्पताल सँ जुड़ल किछ डॉक्टर केँ कहनाय छनि जे मृतक डॉक्टर केँ शरीर पर चोट केँ निशान छनि संगहि कपड़ा फाटल छल आ लाश अर्धनग्न अवस्था मे छल । शव केँ हालत देखि ओ बलात्कार के शंका व्यक्त केलनि। देर साँझ धरि हंगामा चलैत रहल। करीब 10 घंटा प्रदर्शन, धरना आ बहस केँ बाद लाश केँ पोस्टमार्टम लेल पठा देल गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts