spot_img
Saturday, August 23, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिजतय भ' रहल अछि विवाद, नीतीश सरकार केँ वक्फ बोर्ड केँ जमीन...

जतय भ’ रहल अछि विवाद, नीतीश सरकार केँ वक्फ बोर्ड केँ जमीन केँ ल’ क’ अलग अंदाज-ए- बयां !

-

की नीतिश जी वक्फ बोर्ड केँ विधियेक केँ समर्थन मे नहि छथि ?

पटना : मीडिया सूत्र सॅं खबरि आबि रहल अछि , बिहार मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ नेतृत्व मे सरकार शिया आ सुन्नी वक्फ बोर्ड केँ तहत पंजीकृत संपत्ति पर बहुउद्देशीय भवन, मैरिज हॉल आ मार्केट कॉम्प्लेक्स बनेबाक योजना केँ घोषणा केलक अछि। बिहार अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री जामा खान कहला जे सरकार राज्य केँ अलग-अलग हिस्सा मे 21टा नव मदरसा केँ स्थापना करबाक फैसला केलक अछि। खान एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहला जे 2023-24 मे पटना, पूर्णिया, कैमूर, कटिहार, किशनगंज, नवादा आ सिवान मे बहुउद्देशीय भवन, बाजार परिसर आ पुस्तकालय केँ निर्माण लेल दसटा परियोजना प्रस्तावित कैल गेल अछि। एहि परियोजना लेल 105.13 करोड़ केँ राशि प्रस्तावित कैल गेल अछि।

जामा खान कहला जे 2005 केँ बाद बिहार केँ सीएम नीतीश कुमार अल्पसंख्यक केँ विकास लेल काज केलथि अछि। ओ ई सुनिश्चित केलनि जे मदरसा मे आधुनिक समय मे आवश्यक सभ सुविधा होइ । ओ कहलनि जे मदरसा एकटा शैक्षणिक संस्थान अछि। एकर विद्यार्थी मे देशभक्ति आ राष्ट्रवादक भाव अछि । हमर नेता सब ई सुनिश्चित केलनि। वक्फ संपत्ति समाज केँ गरीब वर्ग केँ विकासक लेल अछि | हमर नेता अल्पसंख्यक केँ कल्याण केँ लेल वक्फ बोर्ड केँ संपत्ति पर काज करैत रहैत छथि। नीतीश कुमार समाज केँ हर वर्ग केँ बात करय वाला नेता छथि। विकासक दृष्टिएँ हुनकर आलोचना कियो नहि क’ सकैत अछि।

बीआरएमएसवाई मे मदरसा केँ बुनियादी ढांचा केँ मजबूत करय कें लेल पेयजल, पुस्तकालय, उपकरण, शौचालय आ कंप्यूटर साइंस प्रयोगशाला जेहन सुविधाक केँ प्रावधान छैक। नीतिश सरकार द्वारा ई निर्णय एहि समय मे आयल अछि जखन केंद्र केँ भाजपा नेतृत्व वला NDA सरकार वक्फ (संशोधन) विधेयक केँ संसद मे पारित करेबाक लेल धक्का मुक्की क’ रहल अछि , जाहि केँ अप्रत्यक्ष रूप सँ उद्देश्य वक्फ बोर्ड केँ असीमित अधिकार पर लगाम लगेबाक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts