spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिहे भगवान, रसगुल्ला खेला सँ युवा केँ चलि गेल जान !

हे भगवान, रसगुल्ला खेला सँ युवा केँ चलि गेल जान !

-

हे भगवान, रसगुल्ला खेला सँ युवा केँ चलि गेल जान !

जमशेदपुर : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे पूर्वी सिंहभूम केँ गलुडीह थाना क्षेत्र केँ पटमहुलिया गाम मे रविदिन देर साँझ भेल अछि। 17 वर्षीय अमित सिंह अपन घरक आराम मे मोबाइल देखैत आ रसगुल्ला खा रहल छलाह। अचानक एकटा रसगुल्ला ओकर कंठ मे फँसि गेलै। अमित छटपटाए लगलाह, मुदा रसगुल्ला कंठसँ नहि निकललनि । ओहि समय घर मे अमितक काका रोहिणी सिंह मात्र छलाह | ओ तुरन्त अमितक कंठ मे फँसल रसगुल्ला केँ निकालबाक प्रयास कयलनि । आँगुर घुसा कऽ रसगुल्ला निकालबाक प्रयास केलनि, मुदा असफल रहलाह । स्थिति केँ बिगड़ैत देखि अमित केँ गामक लोक केँ सहयोग सँ नजदीक केँ निरामया नर्सिंग होम ल’ गेला ।

नर्सिंग होम मे डॉक्टर अमित केँ मृत घोषित क’ देलनि……………

नर्सिंग होमक डाक्टर अमितक जाँच केलक, मुदा ताबत बहुत देर भ’ गेल छल। डाक्टर अमित के मृत घोषित क देलक। डॉक्टर के अनुसार अमित के कंठ में रसगुल्ला फंसला के कारण दम घुट गेल छल, जाहि के कारण हुनकर मौत भ गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts