spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिअडानी रिश्वत देलनि आंध्र प्रदेश मे आओर अदालती कार्रवाई अमेरिका मे …….....

अडानी रिश्वत देलनि आंध्र प्रदेश मे आओर अदालती कार्रवाई अमेरिका मे …….. वाह जी वाह

-

लहरि रूम (रांची ) :अमेरिकी अटॉर्नी कार्यालय केँ आरोप अछि जे अडाणी द्वारा अपन कंपनी अडाणी ग्रीन एनर्जी लेल सौर ऊर्जा सँ जुड़ल परियोजना आओर ठेका लेल भारतीय अधिकारि केँ 2100 करोड़ सँ बेसी केँ रिश्वत देने छलाह । ई बात ओ सब अमेरिकी बैंक आ निवेशक सँ नुका क’ रखने छला , जिनका सँ अडाणी ग्रुप एहि परियोजना लेल अरबों डॉलर केँ कर्ज आओर सहयोग लेने छल। अमेरिका केँ अलावा साल 2021 मे बॉन्ड केँ बना क’ अन्य अंतर्राष्ट्रीय निवेशक आओर अमेरिकी बैंक सँ पाई केँ ओरियान कयल गेल छल।

अमेरिका मे केस किएक?

अमेरिकी प्रतिभूति आओर विनिमय आयोग (एसईसी) द्वारा एकटा बयान जारी कयल गेल जाहि मे कहल गेल जे कथित षड्यंत्र केँ मे हिस्सेदारी केँ तौर पर अदानी ग्रीन आओर अमेरिकी निवेशक सँ 17.5 करोड़ डॉलर सँ बेसी केँ धनराशि जुटाबै केँ संग- संग एज्यूर पावर केरऽ शेयर केँ न्यूयॉर्क स्टॉक एक्सचेंज म॑ सूचीबद्ध करेलक अछि । एकर अलावा न्यूयॉर्क केर पूर्वी जिला लेली अमेरिकी अटॉर्नी कार्यालय द्वारा अडाणी , अडाणी, सिरिल कैबेन्स आओर अदानी ग्रीन सँ जुड़ल अन्य लोक केँ विरुद्ध आपराधिक आरोप लगाओल गेल अछि आओर एज्यूर पावर द्वारा विदेश मे भ्रष्टाचार केँ आरोप लगाबै पर रोक लगा देल अछि। चूँकि अमेरिकी निवेशक केँ पाई एहि प्रोजेक्ट में लगाओल गेल छल आ ओहि पैसा केँ घूस केँ रूप मे देब अमेरिकी कानून केँ तहत अपराध अछि, ताहि हेतु अमेरिका मे मामला दर्ज भेल अछि।

एहि सूचना केँ अबिते भारतीय शेयर बाजार मे मात्र 2 लाख करोड़ केँ नोकसान भेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts