लहरि रूम (रांची) : झारखंड केँ विधानसभा चुनाव 2024 मे धमाकेदार विजयी केँ बाद आब हेमंत सोरेन सरकार बनेबाक दावा राज्य केँ राजपाल लग प्रस्तुत कयलनि। कनि काल पहिने राजभवन जा क’ राज्यपाल सँ भेंट क’ सरकार बनेबाक दावा प्रस्तुत कयलनि ।
राज्यपाल सँ भेंटघांट केँ दौरान हेमंत सोरेन पहिने मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा देलनि आओर फेर सरकार बनेबाक दावा प्रस्तुत कयलनि। वर्तमान मे राज्यपाल हुनका कार्यवाहक सीएम के जिम्मेदारी सौंपने छथि। एहि सँ पहिने झारखंड विधानसभा चुनाव मे 81 मे सँ 56 सीट जीतला केँ एक दिन बाद रविदिन झारखंड मुक्ति मोर्चा केँ कार्यकारी अध्यक्ष हेमंत सोरेन केँ अध्यक्षता मे INDI गठबंधन केँ बैसार भेल। एहि बैसार मे विधायकदल केँ नेता सर्वसम्मति सँ चयनित कयल गेला। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बतौर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन पुनः झारखण्ड केँ मुख्यमंत्री पद केँ शपथ 28 नवम्बर क’ लेताह।