लहरि रूम (रांची) : झारखंड विधानसभा चुनाव 2024 केँ नतीजा केँ बाद जाहि नेता केँ सब सँ बेसी चर्चा भ’ रहल छनि ओ जेएलकेएम केँ सुप्रीमो जयराम महतो छथि। INDI गठबंधन केँ झारखण्ड मे प्रचंड जीत केँ बाद जयराम महतो फैक्टर खूब चर्चा मे अछि। जयराम महतो डुमरी आ बेरमो विधानसभा सीट सँ चुनाव लड़लथि, मुदा ओ केवल डुमरी सँ जीतलथि आ बेरमो सँ पराजित भेला । आब चुनाव जीतला केँ बाद विधानसभा मे INDI गठबंधन केँ समर्थन करताह या NDA केँ संग विपक्षी खेमा मे जेताह, एहि पर जयराम महतो केँ फैसला केँ प्रतीक्षा सम्पूर्ण झारखण्ड करी रहल अछि।
जयराम केँ पार्टी 8 सीट पर NDA केँ सीधा नुकसान पहुंचेलक अछि।
जयराम महतो 8 विधानसभा सीट पर एनडीए केँ उम्मीदवार केँ सीधा नोकसान पहुंचेबाक काज केलनि। एहि मे सबस महत्वपूर्ण सिल्ली सीट सेहो शामिल अछि। सिल्ली मे सुदेश महतो केँ 49 हजार 302 वोट भेटल आ दोसर स्थान पर रहलाह। झामुमो केँ अमित महतो सुदेश के 23 हजार 867 मत केँ अंतर सँ पराजित केलनि। एहि सीट पर जेएलकेएम उम्मीदवार केँ 41 हजार 725 वोट भेटल जे जीत आ हार केँ अंतर सँ बहुत बेसी अछि। तहिना टुंडी, इचागढ़, तामार, चंदनकियारी, कांके आ रामगढ़ मे सेहो भाजपा-अजसू पार्टी केँ हराबय मे जेएलकेएम केँ उम्मीदवार केँ प्राप्त भेल मत केँ अहम भूमिका रहल। ओना काँके, चतरा, लतेहर, बरकट्टा, कोडरमा आ झरिया मे INDI गठबंधन केँ उम्मीदवार केँ हराबय मे सेहो जेएलकेएम केँ अहम भूमिका छल।