Who is Priyanka Gandhi Vadra ………………
लहरि रूम (रांची)
प्रियंका गांधी वाड्रा नवम्बर 2024 सँ केरल केँ वायनाद सँ लोकसभा केँ सदस्य केँ रूप मे प्रचंड बहुमत संग चयनित भेली अछि । ओ अखिल भारतीय कांग्रेस समिति (एआईसीसी) केँ महासचिव केँ रूप मे सेहो काज करैत छथि ।
प्रियंका गांधी वाड्रा भारत केँ पूर्व प्रधानमंत्री राजीव गांधी आ सोनिया गाँधी केँ बेटी आओर राहुल गांधी केँ सहोदर बहिन संग फिरोज आ इंदिरा गांधी केँ पोती छथि। जेकरा चलते प्रियंका राजनीतिक रूप सँ कांग्रेस प्रमुख नेहरू-गांधी परिवार केँ सदस्य छथि ।

प्रियंका गांधी केँ जन्म 12 जनवरी 1972 क’ दिल्ली मे राजीव गांधी आ सोनिया गांधी केँ घर मे भेल छनि ।अपन मात पिता केँ दोसर संतान छली। हुनक पैघ भाई राहुल गांधी उत्तर प्रदेश केँ रायबरेली सँ संसद सदस्य आ लोकसभा मे विपक्ष केँ 12म नेता छथि । प्रियंका गांधी 1984 तक वेलहम गर्ल्स स्कूल, देहरादून मे स्कूली शिक्षा प्राप्त केलनि। एकर बाद सुरक्षा कारणे राहुल आ हुनका दुनू गोटेक स्थानांतरण दिल्लीक डे स्कूल मे भ’ गेलनि। इंदिरा गांधी केँ हत्या केँ बाद लगातार आतंकी धमकी केँ कारण हुनका आ हुनक भाई राहुल केँ होम-स्कूल कराओल गेलनि । बाद मे ओ दिल्ली मे जीसस एंड मैरी केँ कान्वेंट मे शामिल भ’ गेलीह। एकर बाद प्रियंका नई दिल्ली केँ जीसस एंड मैरी कॉलेज स॑ मनोविज्ञान मे स्नातक आ 2010 मे बौद्ध अध्ययन मे स्नातकोत्तर केँ डिग्री पूर्ण कयलनि । 1997 मे प्रियंका गांधी केँ विवाह दिल्ली केँ व्यापारी रॉबर्ट वाड्रा सँ भेल आओर ओ प्रियंका गांधी वाड्रा नाम केँ प्रयोग करय लगली। प्रियंका आओर रॉबर्ट केँ दूटा संतान छनि ।लोधी एस्टेट मे सरकारी आवास खाली करबा लेल कहल गेलाक बाद प्रियंका गांधी गुरुग्राम चलि गेली । ओ राजीव गांधी फाउंडेशन केँ ट्रस्टी सेहो छथि।
राजनीति मे औपचारिक प्रवेश
23 जनवरी 2019 केँ उत्तर प्रदेश केँ पूर्वी भाग केँ एआईसीसी महासचिव प्रभारी आ ओकरा बाद 11 सितम्बर 2020 केँ पूरा उत्तर प्रदेश राज्य केँ प्रभारी महासचिव केँ रूप मे नियुक्त भेला केँ बाद औपचारिक रूप सँ राजनीति मे प्रवेश कयलनि । अक्टूबर 2021 मे प्रियंका गांधी वाड्रा केँ यूपी पुलिस दू बेर हिरासत मे लेलक। पहिल हिरासत पश्चिमी यूपी केँ लखीमपुर खेरी केँ यात्रा केँ बाद भेल छल, जतय विरोध प्रदर्शन करय वाला किसान आओर केंद्रीय मंत्री अजय मिश्र केँ बेटा केँ काफिला केँ बीच झड़प केँ बाद 8 लोक केँ मृत्यु भ’ गेल छल। हुनका आ पार्टी केँ अनेको नेता सबके सीतापुर कें एकटा पीएसी गेस्ट हाउस मे हिरासत मे लेल गेल छल , जाहि मे 50 घंटा सँ बेसी समय तक अस्थायी जेल केँ रूप मे उपयोग क’ राखल गेल छल। दोसर हिरासत आगरा जिला मे भेल छल, जतय यूपी पुलिस हुनका जुटान पर रोक केँ हवाला दैत हिरासत मे लेलक जखन ओ आगरा जा रहल छलीह जे पुलिस हिरासत मे कथित तौर पर मौत भ’ गेल एकटा आदमी केँ परिवार केँ सदस्य सँ भेंट करबाक लेल जा रहल छलीह।