spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमर्डर सँ थर्रायल शहर 'हजारीबाग'

मर्डर सँ थर्रायल शहर ‘हजारीबाग’

-

मर्डर सँ थर्रायल शहर ‘हजारीबाग’

लहरि रूम : झारखंड केँ हजारीबाग शहर मे कांग्रेस नेता सह कटकमदाग पंचायत केँ पूर्व प्रमुख उदय साव केँ गोली मारि हत्या क’ देल गेल। अपराधी सब केँ द्वारा सोमदिन राति करीब साढ़े नौ बजे हजारीबाग केँ झील क्षेत्र ई घटना केँ कयल गेल । उदय साव केँ सेहो आपराधिक रिकॉर्ड छलनि । एहि घटना सँ पहिने ओ हत्याकेँ मामला मे जेल गेल छलाह।

अपन मैथिलक स्कूल

सूत्रक जानकारी केँ अनुसार उदय साव अपन बोलेरो गाड़ी सँ हजारीबाग पुलिस लाइन केँ पाछु झील सँ गुजरैत छला । तखन अपराधी सभकेँ द्वारा हिनक गाड़ी केँ घेराबंदी क’ हिनका ऊपर ताबड़ तोड़ गोली बारी कयल गेल। । एकटा गोली उदय साव केँ कपाड़ मे लागलनि । तुरंत हुनका घायल हालत मे हजारीबाग जिला बोर्ड चौक पर स्थित निजी अस्पताल पहुंचाओल गेल, जतय डॉक्टर हुनका मृत घोषित क’ देलक। सम्पूर्ण घटना पर प्रशासन छान बीन क’ रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts