spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeराजनीतिधैर्य केँ उपहार भेटलनि चिराग पासवान केँ

धैर्य केँ उपहार भेटलनि चिराग पासवान केँ

-

धैर्य केँ परिणाम बड सुखद होइत अछि। एहि बेरक NDA केँ सीट बटवारा मे देखल गेल। बिहार केँ राजनीतिक मे भाजपा कोनो एहन नेता केँ दृढता सँ प्रस्तुत नहि क’ सकल अछि जिनकर छवि सँ हुनक क्षेत्र मे हुनका नाम सन विजयश्री प्राप्त होइन। अखनो भारतीय जनता पार्टी बिहार मे मोदी केँ लहरि सँ अपन विजय तय करत। अगर राजनीति वक्ता प्रशांत किशोर केँ दृष्टिकोण सँ देखी त’ नरेंद्र मोदी आओर अमित शाह भलीभांति जानैत छथि जे बिहार केँ लोकसभा केँ चुनाव मे असगर भाजपा किछु क’ नहि सकैत अछि , ताहि लेल गठबंधन जरूरी अछि। जदयू प्रमुख नीतीश कुमार कैक बेर अल्टइत – पलटैत रहला अछि। लेकिन लोजपा (रा) केँ चिराग पासवान धैर्य राखति दृढता सँ नरेंद्र मोदी जीक संग रहला आओर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ दुलार सेहो हिनका भेटैत रहलनि अछि। एहि बेर बिहार केँ सीट केँ बटवारा मे चिराग पासवान केँ पार्टी केँ पांच सीट पर चुनाव लडैक मौका भेटलनि अछि। एहि तरहक घोषणा उपरांत आब लागि रहल अछि जें बिहार मे चिराग पासवान केँ नव उदय भ’ रहल छनि।
बिहार भाजपा केँ प्रभारी विनोद तावड़े ने प्रेसवार्ताक माध्यम सँ NDA केँ चुनावी सीटक समीकरण केँ साझां कयलनि भाजपा पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, औरंगाबाद, मधुबनी, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, महाराजगंज, सारण, उजियारपुर, बेगूसराय, नवादा, पटना साहिब, पाटलिपुत्र, आरा, बक्सर आओर सासाराम समेत 17 सीट पर चुनाव लड़त । जदयू – वाल्मिकी नगर, सीतामढ़ी, शिवहर, झंझारपुर, सुपौल, किशनगंज, कटिहार, मधेपुरा, गोपालगंज, सीवान, भागलपुर, बांका, मुंगेर, नालंदा आओर सीवान सँ चुनाव लड़त । लोजपा (रा) : वैशाली, हाजीपुर, समस्तीपुर, खगड़िया आओर जमुई सीट सँ चुनाव लड़त । मांझी केँ पार्टी हम गया सँ आओर उपेंद्र कुशवाहा केँ पार्टी काराकाट सीट सँ चुनाव लड़त ।


Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts