पटना : आइ (30 दिसंबर) बिहार क’ अनेको जिला मे बरखा केँ संभावना अछि। मौसम विभाग 13 जिला मे गरज आ बिजली केँ संग बरखा केँ चेतावनी जारी केलक अछि। मुदा, एखन धरि भयंकर जाड़क कोनो संभावना नहि अछि। 31 दिसंबर तक तापमान मे कोनो खास बदलाव नहि होएत। मुदा 1 जनवरी 2025 सँ जाड़ बढ़बाक उम्मीद अछि। एहि साल दिसंबर मे एखन धरि ठंड कम भेल अछि।
एहि जिला मे बरखा भ’ सकैत अछि…..
पटना आईएमडी बिहार के 13 जिला मे गरज आ बिजली के संग बरखा के चेतावनी देलक अछि. एहि जिला मे बक्सर, भोजपुर, रोहतास, भबुआ, औरंगाबाद, अरवल, पटना, गया, नालंदा, शेखपुरा, नवादा, बेगूसराय, लखीसराय आ जहानाबाद शामिल अछि । एहि जिला मे हल्का स मध्यम वर्षा भ’ सकैत अछि।
नहि पजरल ‘बोरसि’ – कहाँ परल कसगर ‘जाड़’ ?
अपन मिथिला मे संग बिहार केँ ग्रामीण क्षेत्र मे जाड़ केँ आगमन सँ पूर्व तैयारी कयल जाइत अछि। जारइन, खर आ बोरसि केँ इंतजाम क’ लेल जाइत अछि। बेसि जाड़ परनाई जहिना प्रारम्भ होइत अछि लोक सब जाड़ सँ बचबाक लेल अखनो आगि पजारि क’ घूर लगा क’ जाड़ सँ अपन रक्षा करैत छथि।
मौसम विभाग केँ अनुसार एहि साल उत्तर भारत मे जार केँ असरि कम देखबा मे आबि रहल अछि। दिसम्बर मास लगभग समाप्त होबय बला अछि, मुदा एखन धरि बेसी जार नहि परल अछि। दिन मे रौद रहैत अछि। लोक जाड़क प्रतीक्षा मे छथि । पटना मौसम विभाग केँ संभावना अछि जे जनवरी केँ पहिल सप्ताह मे जार बढ़ि सकैत अछि।

पटना मौसम विभाग केँ अनुसार 31 दिसंबर तक तापमान लगभग स्थिर रहत। सोमदिन मेघौन होयत , जकर कारण दिन मे ठंडा आ राति मे कनेक गर्मीक अभास भ’ सकैत अछि। पश्चिमी विक्षोभ केँ पछवाँ बहि रहलअछि , मुदा तापमान में कोनो खास बदलाव नहिं अछि। कखनो काल लोक केँ गर्मी सेहो लागैत अछि।
1 जनवरी, 2025 सँ तापमान मे गिरावट भ’ सकैत अछि !
अंग्रेजी नव वर्ष यानी 1 जनवरी 2025 सँ वातावरण केँ तापमान गिरनाय शुरू भ’ सकैत अछि। एकर बाद जाड़ बढ़बाक संभावना अछि। मौसम विभाग खेतिहर लोकनि केँ मौसम पर नजर राखय आओर अपन फसल केँ प्रति सावधान रहय केँ सलाह देलक अछि।