भारत मे कोरोना सन वायरस क’ प्रवेश : भारत मे तीन मामला सामने आयल !
लहरि रूम (रांची ) : मीडिया सूत्र सँ जानकारी आबि रहल अछि जे,भारत मे कोरोना सन लक्षण वाला नव वायरस के पहिल मामला सामने आयल अछि। अहि केर नाम ह्यूमन मेटान्यूमोवायरस (HMPV) कहल जा रहल अछि । किछुए दिन पहिने चीन मे ई वायरस तेजी सँ पसरि रहल जाहि के कारण ई खबरि मे आयल । बेंगलुरुमे 8 महिनाक बचिया कें कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अछि । फिलहाल भारत मे एहि वायरस केँ 3 मामला सामने आयल अछि। जाहि मे स दूटा बेंगलुरु आ एकटा गुजरात मे आयल अछि। एहि घटना सँ स्वास्थ्य अधिकारी सचेत भ’ गेल छथि । विश्व स्वास्थ्य संगठन (WHO) एखन धरि एचएमपीवी HMPV पर कोनो औपचारिक चेतावनी जारी नहि केलक अछि। मुदा, बहुतो देश आ WHO एहि वायरस केँ बारे मे आओर जानकारी साझा करय लेल कहलक अछि।