लहरि रूम (दिल्ली ) : दिल्ली विधानसभा क’ 70 सीट के चुनाव तिथि क’ घोषणा भ’ गेल अछि। 5 फरवरी क’ दिल्ली मे मतदान होयत आ 8 फरवरी क’ मतगणना केँ आधार पर परिणाम घोषित कैल जाएत। निर्वाचन आयोग चुनाव तिथिक घोषणा केलक। एहि चुनाव मे आम आदमी पार्टी लगातार तेसर बेर सत्ता मे वापसी के कोशिश मे अछि। संगहि भाजपा आओर कांग्रेस एहि बेर सत्ता मे वापसी के पूरा कोशिश मे अछि। 2020 मे भेल विधानसभा चुनाव मे आम आदमी पार्टी 62 सीट जीत चुकल छल। जखन कि भाजपा मात्र 8 सीट जीतने छल। दिल्ली सँ कांग्रेस केँ लगातार दोसर बेर सफाया भेल छल । एहि बेर चुनाव सँ किछु दिन पहिने अरविंद केजरीवाल अपन सीएम पद सँ इस्तीफा द’ देने छलाह। तकर बाद अतिशी मार्लेना राज्यक सीएम बनलीह।
