spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिविश्वम्भर फॉउंडेशन द्वारा हिंदू पंचांग विक्रम संवत 2081-82 कैलेण्डर आ 'आंजुर'...

विश्वम्भर फॉउंडेशन द्वारा हिंदू पंचांग विक्रम संवत 2081-82 कैलेण्डर आ ‘आंजुर’ (मैथिली कविता- संग्रह) भेल विमोचित आओर शृष्टि प्रिया कें भेटलनि मेधा सम्मान – 2025

-

लहरि रूम (रांची) : आई झारखण्ड कें राजधानी रांची मे विश्वम्भर फॉउण्डेशन ट्रस्ट रांची कें द्वारा ‘हिन्दू पंचांग विमोचन सह स्नेहिल मिलन’ कार्यक्रम कें आयोजन भेल जाहि मे मुख्य अतिथि कें रूप रांची सँ राज्य सभा सांसद दीपक प्रकाश आओर हटिया विधायक नवीन जयसवाल जी उपस्थित छला। आजुक कार्यक्रम मे फाउन्डेशन के मंच पर सांसद आओर विधायक के संग प्रख्यात चिकित्सक डॉ अजय झा, राष्ट्रिय स्वयसेवक संग अजय कुमार , जनता दल यूनाइटेड कें धर्मेंद्र तिवारी, राजनीतिक सलाहकार अयोध्यानाथ मिश्र,साहित्यकार सियाराम झा सरस , लहरि त्रैमासिक पत्रिका कें संपादक नरेंद्र झा फाउण्डेशन सञ्चालन समिति सँ विवेकानंद झा ‘मुन्नू जी’, कन्हैया मिश्र, बाबू लाल झा, कौशल झा महिला समिति सदस्य आ भाजपा नेत्री कुमुद झा संग मैथिली गायिका केँ सुप्रसिद्ध गायक अवनींद्र नाथ ठाकुर उपस्थित छला।

आजुक कार्यक्रम केँ शुभ आरंभ विद्यापति रचित गोसाउनि गीत जय जय भैरवी असुर भयावनी गीत सँ भेल। आओल मुख्य अतिथि , विशिष्ट आ मंचासीन अतिथि लोकनि कें मिथिला संस्कृति सम्मान पाग, दोपटा आ पुष्प द’ मिथिला परंपरा संग स्वागत कयल गेल। आरुणि सांडिल्य कें स्वागत गान आओर राम धुन पर उपस्थित अतिथि आओर श्रोता लोकनि मन्त्र मुग्ध भ गेला। फॉउंडेशन कें सदस्य सह अभिभावक अमर नाथ झा द्वारा स्वागत भाषण देल गेल। स्वागत भेला उपरांत हिन्दू पंचांग विक्रम संवत – 2081 – 82 कें लोकार्पण कयल गेल। अहि पंचांग मे मिथिला केँ पाबनि तिहार संग व्रत आदि कें विशेष जानकारी संग पंचांग जनजाति स्वतंत्रता सेनानी केँ समर्पित अछि। पंचांग विमोचन उपरांत मैथिली आओर हिंदी साहित्य जगत कें कवयित्री प्रीता झा ‘पृशा’ द्वारा रचित ‘आँजुर’ मैथिली कविता- संग्रह’ कें लोकार्पण भेल।

साहित्यकार हितनाथ झा आँजुर पर विशेष टिपण्णी कयलनि। कवियित्री आ साहित्यकार कल्याणी झा ‘ कनक’ प्रीता झा कें तरफ सँ धन्यवाद ज्ञापित कयलनि। राज्य सभा सांसद दीपक प्रकाश अपन वक्तव्य मे की थिक मिथिला आओर केहन अछिओकर मिठास ओहि पर प्रकाश देलनि। विधायक नवीन जयसवाल विश्वम्भर फाउण्डेशन कें सामाजिक कार्य केँ प्रशंसा कयलनि।

तेसर कड़ी मे सांसद दीपक प्रकाश एवं विधायक नवीन जयसवाल कें द्वारा शृष्टि प्रिया कें राइफल शूटिंग के क्षेत्र उपलब्धि प्राप्त करबाक हेतु ‘विश्वम्भर मेधा सम्मान – 2025’ प्रदान कयल गेल। आओल अतिथि सबके धन्यवाद ज्ञापित अयोध्यानाथ मिश्र कयलनि। मंच केँ सञ्चालन किशोर झा कयलनि।
अहि आयोजन कें सफल बनबै मे फाउण्डेशन कें सचिव नवीन कुमार झा, राजेश झा, अमरनाथ झा, अभिलाषा चौधरी, किशोर झा, कुंदन सिंह, इंद्रजीत यादव के महत्वपूर्ण योगदान छल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts