spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeब्लॉगकलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी - रांची कें वार्षिक खेल सह पुरस्कार वितरण...

कलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी – रांची कें वार्षिक खेल सह पुरस्कार वितरण समारोह भेल सम्पन्न।

-

लहरि रूम (रांची) : आई दिनाँक 29 जनवरी , बुध दिन कलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी – रांची कें परिसर मे वार्षिक खेल सह पुरस्कार वितरण समारोह के आयोजन कयल गेल। अहि अवसर पर मुख्य अतिथी चन्दन झा (आईपीएस) DIG SIB स्पेशल ब्रांच विशिष्ट अतिथी के रूप मे शिवम् कुमार अस्सिटेंट कमांडेंट SSB राष्ट्रपति मेडल (गैलेंट्री ) , निक्की प्रधान – भारतीय हॉकी टीम खिलाडी , मनोहर टोपनो – पूर्व हॉकी खिलाडी एवं पर्वतारोही शशि शेखर उपस्थित छला।

आजुक एहि आयोजनक प्रारम्भ स्वागत गीत पर भाव नृत्य सँ भेल जाहि मे विद्यालय कें छात्रा लोकनिक मनोहारी प्रस्तुति रहलनि। सब अतिथी लोकनिक लेल स्वागत वक्तव्य दैत काल संस्थान कें वाइस चेयरमैन प्रभाष कुमार झा विद्यार्थी जीवन मे पठन पाठन आओर खेल केँ महत्व पर छात्र लोकनि कें ध्यान आकृष्ट कयलनि। ओ जानकारी देलनि जे आइयो चन्दन कुमार झा (आईपीएस) 11 वीं आओर 12वीं कें छात्र कें गणीत आओर भौतिकी विज्ञानं कें तैयारी करबैत छथि।

मुख्य अतिथी चंदन झा कहलनि जे हुनक आईपीएस बनबा मे खेल कूद कें बड योगदान छनि। क्रिकेट खिलाडी रहबाक कारण सँ हुनका मे एकाग्रता आओर टीम वर्क करबाक अभ्यास स्वतः अयलनि। निक्की प्रधान अपन गाम सँ ल’ क’ बरियातू स्कूल आओर छात्रावास संग अपन प्रशिक्षण कें चर्चा करैत विशेष क’ छात्रा लोकनि कें प्रोत्साहित कयलनि। पर्वतारोही शशि दक्षिण अमेरिका कें सर्वोच्च चोटी पर तिरंगा फहरेबाक आओर 8300 मीटर माउंट एवरेस्ट पर चढ़बाक अनुभव कें छात्र लोकनिक मध्य साझा कयलनि। कलकत्ता पब्लिक स्कूल कें बच्चा सब भविष्य कें ओलम्पिक खिलाडी बनत ई शुभकामना मनोहर टोपनो देलनि। राष्ट्रिय वीरता पुरस्कार सँ सम्मानित शिवम कुमार कहलनि जे मनुष्य कें एकटा अपन आदर्श सुनिश्चित करबाक चाही। हुनक आदर्श हुनक पिता छथिन जे हुनका देश सेवा आओर लक्ष्य प्राप्त करबाक हेतु कृतसंकल्पित कयलनि।

झारखण्ड विधानसभा सँ संयुक्त सचिव पद सं सेवा निवृत स्कूल कें निदेशक मिथिलेश मिश्र अपन वक्तव्य मे कहलनि जे जेना नोन कें भोजन मे महत्व छैक तहिना पढाई आओर खेल कूद कें जीवन मे महत्व छैक। पुरस्कार वितरण समारोह मे वर्ष 2024 मे 10 वीं कक्षा कें छात्र पीयूष कुमार आओर 12 वीं छात्रा प्रियंका कुमारी कें विशेष रूप सँ सम्मानित कयल गेल। छात्र – छात्रा सबके द्वारा सांस्कृतिक आयोजन कयल गेल। धन्यवाद ज्ञापन विद्यालय कें प्राचार्या प्रियमदा झा कयलनि।
एहि कार्यक्रम मे विद्यालय के वाईस चेयरमैन प्रभाष कुमार झा, प्राचर्या प्रियमदा झा , निदेशक मिथिलेश कुमार मिश्र अभिभावक लोकनि , शिक्षक आ कर्मचारी संग विद्यालय परिसर कें सब सदस्य उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts