लहरि रूम (रांची) : विश्वम्भर फाउंडेशन ट्रस्ट रांची के तत्वावधान में 29 जनवरी 2025 क’ संरक्षक अयोध्यानाथ मिश्र के नेतृत्व मे एकटा प्रतिनिधिमंडल झारखंड के महामहिम राज्यपाल श्री संतोष गंगवार सँ भेंट कयलक । अहि क्रम मे फाउंडेशन के संरक्षक अयोध्यानाथ मिश्र संग सलाहकार समिति के सदस्य बाबू लाल झा, बिनोदानंद झा आ बीरेंद्र कुमार झा हुनका मिथिला संस्कृति सम्मान पाग , दुपट्टा आ पुष्प गुच्छ द’ सम्मानित केलनि। फाउंडेशन द्वारा विमोचित हिन्दू पंचांग सह विक्रम संवत 2081- 82 वार्षिक कैलेंडर कें संग प्रीता झा ‘प्रुशा’ के मैथिली कविता संग्रह “आँजुर ” किशोर झा द्वारा महामहीम राज्यपाल (झारखण्ड) श्री संतोष गंगवार जी सुपुर्द कयल गेल । संरक्षक अयोध्यानाथ मिश्र आ किशोर झा महामहिम केँ फाउंडेशन द्वारा कयल गेल सामाजिक, सांस्कृतिक आ क्षेत्रीय भाषाक क्षेत्र मे कयल गेल कार्य-विषय कें विस्तार सँ जानकारी देल गेल । राज्यपाल संतोष गंगवार जी विश्वम्भर फाउंडेशन द्वारा भाषा के क्षेत्र मे कयल गेल कार्यक प्रशंसा करैत क्षेत्रीय भाषा के विलुप्त होय के प्रति सेहो अपन चिंता व्यक्त कयलनि । एहि प्रतिनिधिमंडल मे संरक्षक अयोध्यानाथ मिश्रक संग अमरनाथ झा, बाबू लाल झा, बिनोदानन्द झा, बीरेन्द्र कुमार झा, कुंदन सिंह आ किशोर झा उपस्थित छला |

