spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकम्पन का कम, गरगराहट छल बेसी : दिल्ली मे भोरे भोर भूकंप

कम्पन का कम, गरगराहट छल बेसी : दिल्ली मे भोरे भोर भूकंप

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : आई दिनाँक 17 फरवरी 2025 क’ दिल्ली मे प्रातः काल 5:36:55 बजे रिक्टर स्केल पर 4.0 के तीव्रता माप वाला भू कम्पन भेल। स्थानीय निवासी लोकनिक कहब जे अहि भूकंप मे घर सेहो कापल आओर रेल के चलनाइ जकां ध्वनि सेहो अनुभव भेल अछि। दिल्ली वासी लोकनि घर सँ बाहर निकलि गेल छला। फेर आबि सकैत अछि भूकंप अहि आशंका सँ सम्पूर्ण दिल्ली संग उत्तर प्रदेश के किछु क्षेत्र कें निवासी लोकनि दहशत मे छथि। समाचार लिखबा काल तक कोनो जान माल कें नोकसानक सूचना नहि आयल अछि।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ट्विट्टर(X) कें माध्यम सँ लोक सबके आश्वस्त कयलनि अछि आओर सतर्क रहबाक लेल आग्रह कयलनि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts