लहरि रूम (रांची) : मैथिली मे एकटा कहबी छैक “जकरे मड़वा तेकरे गीत”
अहि वक्तव्य के बतौर मुख्य अतिथि रखला डॉ. विद्यानाथ झा ‘विदित’ टीम शब्दकार , रांची के तत्वावधान मे आई दिनाँक 1 मार्च क’ रांची प्रेस क्लब के सभागार मे कवियित्री, साहित्यकार कल्याणी झा ‘कनक के द्वारा रचित यात्रा संस्मरण “नई दिल्ली से इंडियाना वाया पेरिस” के लोकार्पण सह कृति चर्चा के कार्यक्रमक आयोजन छल। अहि कार्यक्रमक अध्यक्षता वरिष्ठ साहित्यकार डॉ. अशोक प्रियदर्शी कयलनि। गणमान्य साहित्यकार लोकनिक उपस्थित मे यात्रा संस्मरण “नई दिल्ली से इंडियाना वाया पेरिस” के लोकार्पण भेल संगहि अहि कार्यक्रमक विशेषता ई अछि जे साहित्यकार लोकनि अहि यात्रा संस्मरण के प्रथम संस्करण के प्रकाशन मे जे त्रुटि भेल अछि ओहि के कोना ठीक कयल जाय ताहि पर विशेष रूप सँ भेल। चुकि ई यात्रा संस्मरण “नई दिल्ली से इंडियाना वाया पेरिस” राष्ट्र भाषा हिन्दी मे प्रकाशित भेल अछि, अहि कारण कार्यक्रमक आयोजन मे सर्वभाषा गणमाण्य सहित्यकार लोकनिक उपस्थित रहनि।


