लहरि रूम (रांची) : बाबा विद्यापति स्मारक समिति,रांची के तत्वावधान मे समिति के अध्यक्ष जयंत झा के अध्यक्षता मे कार्यालय मे वृहस्पति दिन (आइ) शोक सभा के आयोजन कयल गेल। अहि शोक सभा मे रांची विश्वविद्यालय के भूविज्ञान के पूर्व प्रोफेसर डॉ. गुणेश्वर झाक निधन पर शोक व्यक्त कयल गेल आ हुनक आत्माक शांति लेल दू मिनटक मौन राखल गेल ।

समिति के अध्यक्ष जयंत झा स्व. झा के कृतित्व आ व्यक्तित्व पर कहलनि जे, भूवैज्ञानिक प्रोफेसर गुणेश्वर झा (84 वर्ष) बुधदिन भोर मे लंबा समय तक बीमारी के बाद इलाज के दौरान निधन भ’ गेलनि। प्रो झा 27 फरवरी 1982 सँ 30 जून 2002 तक रांची विश्वविद्यालय के स्नातकोत्तर भूविज्ञान विभाग के प्रमुख छलाह। 26 फरवरी 1941 के जन्मल प्रो झा रांची विश्वविद्यालय मे युवा प्रोफेसर के रूप मे जानल जाइत छलाह। रांची विश्वविद्यालय सिन्डिकेट आ सीनेट के सदस्य सेहो छलाह । ओ एम.एससी. साइंस कॉलजे सँ प्राप्त कयने छला । ओ बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. जगन्नाथ मिश्र के समंधी सेहो छलाह। हिनक आकस्मिक निधनक कारण समस्त मिथिला समाज शोक मे डूबल अछि । भगवान हुनकर आत्मा के शांति देथिन आ हुनकर परिवार के एहि संकट स उबरय लेल ताकत देथिन।

अहि शोक सभा मे समिति अध्यक्ष जयंत झा, देवेन्द्र ठाकुर, मुकेश झा शास्त्री, डॉ. पंकज राय, उदित नारायण ठाकुर, ज्ञानदेव झा, मृत्युंजय झा, अशोक पाण्डेय, आशु झा, ऋतुनाथ झा, संतोष मिश्र, मनोज झा आदि उपस्थित छला |