लहरि रूम (रांची ) : भारत के प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आइ (22 मई 2025) वृहस्पति दिन राजस्थान के बीकानेर मे एकटा रैली के सम्बोधित करैत कहलनि जे पाकिस्तान पर पैघ हमला भारतीय सेना कयलक आ 22 अप्रैलक पहलगाम मे आतंकी हमला के बदला लेबै मे भारत पाकिस्तान केर नौ एयर बेस के महज 22 मिनट के भीतर नष्ट करि देलक । ओ कहलनि जे ‘जखन सिंदूर बारूद मे बदलि जाइत अछि’ तखन पूरा दुनिया देखलक आ दुश्मन सभ सेहो एकर परिणाम देखलक। पीएम मोदी कहला जे 22 अप्रैल कs आतंकवादी हमर बहिन के धर्म के पहचान केलक आ ओकर सिंदूर मेटा देलक। पहलगाम मे हमला भेल, मुदा गोली 1.4 अरब भारतीय के दिल मे छेद क’ देलक।

बीकानेर रैली मे करकराइत थपड़ी केँ बीच पीएम मोदी कहलनि जे, जखन सिंदूर विस्फोटक भ’ जाइत अछि त’ एकर परिणाम सबके देखबा मे अबैत अछि। मोदी कहला जे इ शोध – प्रतिशोधक खेल नहि अछि, इ न्यायक नव रूप अछि, इ अछि ‘ऑपरेशन सिंदूर’। इ खाली क्रोध नै छैक , इ शक्तिशाली भारत के उग्र रूप छैक , इ भारत केर नव स्वरूप छैक । पहिने घर मे घुसि क’ हमला केलक, आब सोझे छाती पर हमला क’ देलक अछि।
