लहरि रूम (रांची) :भारत के मौसम विभाग (आईएमडी) के अनुसार दक्षिण पश्चिम मानसून शनिदिन (24 मई) केरल पहुंचल अछि, जे 2009 के बाद भारतीय मुख्य भूमि पर पहिल बेर आयल अछि। 2009 मे 23 मई क’ मानसून प्रारम्भ भेल छल । सामान्यतः दक्षिण-पश्चिम मानसून 1 जून धरि केरल पहुँचि जाइत अछि आ 8 जुलाई धरि पूरा देश मे पसैर जाइत अछि। 17 सितंबर के बाद ई उत्तर-पश्चिम भारत सँ पाछू हटय लगैत अछि आ 15 अक्टूबर धरि पूर्ण रूप सँ हटि जाइत अछि। आईएमडीक आंकड़ा सँ पता चलैत अछि जे पिछला साल 30 मई क’ मानसून दक्षिणी राज्य मे पहुँचि गेल छल।
