लहरि रूम (रांची) : आइ 20 जुलाई 2025 ,रविदिन सखी बहिनपा मैथिलानी समूह रांची इकाइ के तत्वावधान मे झारखण्ड मैथिली मंच, रांची कें विद्यापति दलान, हरमू के परिसर मे मधुश्रावणी उत्सव सह साओन मिलन 2025 के आयोजन कयल गेल। कार्यक्रमक शुभारम्भ भगवती बंदना जय जय भैरवी असुर भयाऊनि … के बबिता झा, अनिता झा आ नमिता मिश्रा समूह गायन सँ भेल । सब सखी सावनक रंग के हरियर परिधान मे सजि – सवरि क’ पहुंचल रहली जे कार्यक्रम के महिमा के आओर बढ़ा देलक। सखी लोकनि पूर्ण संस्कारक संग मधुश्रावणी पूजा केलनि आ मधुश्रावणी व्रत कथा (बिनि) पाठ सेहो कयलनि | एहि अवसर पर अनेक प्रकारक पुरस्कार देल गेल । पूजा सँ जुड़ल पारंपरिक गीत के अलावा भजन, नृत्य आ संगीत के अनेक रूप मे आकर्षक आनंददायक प्रस्तुति के संग पूरा परिसर भक्तिमय भ’ गेल। एहि मे बबिता झाक कजरी आ भजन, मंजू झा, इंदिरा झा, अंशु झा, नमिता मिश्रक समूह गायन सँ सखी लोकनि मंत्रमुग्ध भ’ गेली | बबिता झाक “आइ हमर ठीक पावनि हमर अंगना अबिहा हे” बहुत सराहनीय छल ।

उपस्थित समूह सब मरुआ के रोटी खेसारी के डाली गीत पर नाचैत देखल गेल। एहि अवसर पर बुजुर्ग अभिभावक सखी के स्मृति चिन्ह आ शाल सँ सम्मानित कयल गेल, जिनकर नाम अछि – कमला चौधरी, शारदा चौधरी, अरुणा झा, मंजू झा, फूल देवी, सीता देवी आ अमृतकला देवी । रांची इकाइ के संचालिका बबिता झा सखी सबके उत्कृष्ट प्रदर्शन के लेल स्मृति चिन्ह आ सुहाग सामग्री द’ क’ उत्साहवर्धन कयलनि । सजल आकर्षक वेशभूषा प्रतियोगिता मे प्रथम-सावन-रानी पूनम ठाकुर, द्वितीय-सावन-सुंदरी अर्चना झा, एवं तृतीय-सावन-मनभवानि कल्पना मिश्रा कें उपाधि सँ सम्मानित कैल गेल |

अहि कार्यक्रम मे बबिता झा, सुनीता झा, अनिता झा, बिट्टू झा, श्रीमती नमिता मिश्रा, कल्पना मिश्रा, अनामिका झा, बीभा झा, प्रीति झा, मधु झा, मधु चौधरी, अरुणा झा, पूनम ठाकुर, सीमा झा, किरण झा, इंदिरा झा आ भारी संख्या मे सखी -बहिन सब उपस्थित छलि | अनिता झा मंच संचालन केलनि। अंत मे सब गोटे प्रसाद आ सामुदायिक भोज के आनंद लेलनि।
