लहरि रूम (पटना) : आइ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार के दौरा पर छथि। पीएम नरेंद्र मोदी के गया जी यात्रा पर राजनीति तेज भ’ गेल अछि। लालू यादव आओर तेजस्वी यादव के पार्टी राजद पीएम मोदी के खिलाफ मोर्चा खोललक अछि। लालू यादव पीएम के अहि दौरा पर तंज कसैत पर कहला जे प्रधानमंत्री मोदी नीतीश कुमार क’ राजनीति आ जदयू के पिंडादान करबा लेल गयाजी आबि रहल छथि।

तेजस्वी यादव कहलनि जे, गया जी मे झूठ आ झूठ वादा के दोकान लगाओल जायत। ओ पीएम सँ अपन 11 साल आ नीतीश सरकार क 20 साल क’ हिसाब मंगलथि अछि। पीएम मोदी बिहार मे चुनाव सँ पूर्व बहुत रास योजना शुरू करय जा रहल छथिन्ह। एहि योजना के शुभारम्भ करबाक हेतु प्रधानमंत्री गयाजी आ बेगूसराय जेताह।