लहरि रूम (रांची ) : सखी बहिनपा मैथिलानी समूह , रांची इकाई के 10म वर्षगांठ समारोह विद्यापति दलान हरमू के परिसर मे मनाओल गेल । कार्यक्रम के शुरुआत भगवती वंदना जय जय भैरवी असुर भयुनी के समूह गायन सँ भेल। तदोपरांत विद्यापतिक चित्र पर पुष्प अर्पित क’ श्रद्धासुमन अर्पित क’ तकर बाद विगत वर्ष मे कयल गेल काजक समीक्षा कयल गेल । ज्ञातव्य जे दूरदर्शी प्रयासक फलस्वरूप श्रीमती एस. आरती झा, संस्थापिका एवं संचालिका श्रीमती बबिता झा, द्वारा कयल काज सँ आई ई संस्था विश्व पटल पर सुर्खी मे बनल अछि आ अपन दसम वर्षगांठ मना रहल अछि । सब बहिन के योगदान सराहनीय रहल अछि। आइ कार्यक्रम मे विगत वर्ष में कयल गेल बहुत रास काज के समीक्षा कयल गेल आ सब सक्रिय बहिन के एकर सफलता के लेल धन्यवाद देल गेल। अन्य नियमित कार्यक्रमक कें अलावा महिलाक कें लेल रोजगार पैदा करनाय, सब शुभ कार्यक कें लेल उपयोगी सामग्री उपलब्ध करानाय, गरीब बच्चाक कें पुस्तक आ अन्य पठन सामग्री उपलब्ध करेनाइ , जाड़ मे गर्म कपड़ा आ कम्बल कें वितरण आदि सम्मलित अछि। अनाथालय आ वृद्धाश्रम सन स्थान पर समय-समय पर पठन सामग्री आ अन्य आवश्यक सामग्रीक व्यवस्था करबाक सेवाक कार्य सेहो इ समूह द्वारा आयोजित अछि अछि । विभिन्न अवसर आ महोत्सव पर साहित्यिक आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होइत अछि । कार्यक्रम सबहक समीक्षा केलाक बाद गीत-संगीतक संग बैसारक समापन भेल आ तकर बाद जलपान कयल गेल। आजुक बैसार मे श्रीमती बबिता झा, श्रीमती बिट्टू झा, श्रीमतीसुनीता झा, श्रीमती अनिता झा, श्रीमती नमिता मिश्रा, श्रीमती पूनम मिश्रा, श्रीमती कल्पना मिश्रा, श्रीमती अर्चना झा, श्रीमती देवता मिश्रा, श्रीमती प्रतिभा मिश्रा, श्रीमती सरिता झा, श्रीमती कुमकुम ठाकुर, श्रीमती मधु चौधरी, श्रीमती मीनू चौधरी, श्रीमती सीमा झा आ पैघ संख्या मे बहिन लोकनि उपस्थित छलीह ।


