spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबीड़ी नहीं, 'बी' का मतलब बुद्धि भी है, जो आपमें नहीं! कांग्रेस...

बीड़ी नहीं, ‘बी’ का मतलब बुद्धि भी है, जो आपमें नहीं! कांग्रेस पार्टी पर संजय झा द्वारा कसगर जबाब।

-

लहरि रूम (पटना) : जदयू सांसद संजय झा केरल कांग्रेस के ” बीड़ी आ बिहार” पर कयल गेल पोस्ट पर कसगर जबाब देलनि अछि । झा कहला जे कांग्रेस बिहार कें जनताक अपमान त करबे केलक अछि संगहि देशक गौरवशाली इतिहासक मजाक सेहो उड़ौलक अछि। आ ‘बी’ क मतलब ‘’बुद्धि’ सेहो होइत अछि, जे कांग्रेस लग नहि अछि। बिहार के अपमान के ल’ क’ राजनीतिक दल के बीच इ विवाद आब तुल पकड़ि रहल अछि।

संजय झा आगू कहलनि जे, बिहार के मजाक उड़ाबय के निम्नतम स्तर जा क कांग्रेस एक बेर फेर बिहार के जनता के अपमान त’ करबे केलक अछि संगहि देश आ लोकतंत्र के गौरवशाली इतिहास के मजाक उड़ा देलक अछि। बिहार के मंत्री अशोक चौधरी कहलनि जे कांग्रेस पार्टी के बिहार के जनता के प्रति घृणा के भाव अछि… सिर्फ एहि लेल जे बीडी पर जीएसटी कम भ’ गेल अछि, ओ सभ बीड़ी आओर बिहारी के लेल बी कहि रहल छथिन्ह… बिहार मे सम्राट अशोक, आर्यभट्ट, चाणक्य के जन्म भेल… गुरु गोविंद सिंह जी के जन्म बिहार मे भेल छल। ई सब बिसरि गेलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts